पुन: नव-नव प्रतिभागक खोज संग भव्य समारोहपूर्वक सम्पन्न भेल “मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” :: मणिभूषण ‘राजू’

Image

दरभंगा । रोशन मिश्रा

“विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा” द्वारा आयोजित “48सम मिथिला विभूति पर्व समारोह-2020” में “मैथिल मंच” द्वारा आयोजित “मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” के परिणाम संग पुरस्कार वितरण समारोह के आयोजन दिनांक 30 नवंबर के एम.एल.एस.एम. कॉलेज सभागार में भोरे 11 बजे सँ 4 बजे तक सरकार द्वारा तय कोरोना के गाईडलाईन के अनुरूप आयोजित कयल गेल।

Image
मुख्य अतिथि के रूप में श्री अशोक सिंह (संस्थापक, विवेकानंद कैंसर संस्थान, दरभंगा सह प्रबंधक, गीता डायग्नोस्टिक्स सह जिला संघचालक, दरभंगा)
Image
डॉ. आर. बी. ठाकुर, विशिष्ट अतिथि
Image
वरिष्ठ मिथिला-मैथिली अभियानी डॉ. उदय शंकर मिश्र, विशिष्ट अतिथि
Image
ई. गजेन्द्र झा, विशिष्ट अतिथि
Image
कार्यक्रम अध्यक्षता युवा नेता आ उद्यमी श्री शरत झा,
Image
कवियत्री श्रीमती जयंती झा, विशिष्ट अतिथि

आयोजन के अध्यक्षता युवा नेता आ उद्यमी श्री शरत झा जी द्वारा कयल गेल। आयोजन में मुख्य अतिथि के रूप में श्री अशोक सिंह (संस्थापक, विवेकानंद कैंसर संस्थान, दरभंगा सह प्रबंधक, गीता डायग्नोस्टिक्स सह जिला संघचालक, दरभंगा) उपस्थित भय समस्त आयोजकगण आ कलाकारगण के आशीर्वाद देलन्हि।
मिथिला-मैथिली के आधारस्तंभ आ विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ जी के संरक्षण में आ विशिष्ट अतिथिगण डॉ. आर. बी. ठाकुर , ई. गजेन्द्र झा, वरिष्ठ मिथिला-मैथिली अभियानी डॉ. उदय शंकर मिश्र, कवियत्री श्रीमती जयंती झा आ मिथिला पेंटिंग के वरिष्ठ कलाकार श्रीमती रानी झाक उपस्थिति उत्साहवर्धक रहल।

प्रतिवर्ष मिथिला-मैथिली संग समाज के विभिन्न क्षेत्र में काज करयवला प्रमुख युवा के “मैथिल मंच” द्वारा सम्मान कयल जाईत अछि जहिमे एहि वर्ष निम्नलिखित युवालोकनि के सम्मानित कयल गेल :-

iMAGE
कुमारी चंदना
संस्थापिका
नृत्य मंजरी, दरभंगा
iMAGE
विद्याभूषण राय
एम.एस.यू., दरभंगा
Image
सुश्री अमायमा खान
बाल-पत्रकार, दरभंगा
Image
अभिषेक सिंह
जिलाध्यक्ष एम.एस.यू., दरभंगा
Image
कल्याणी कुमारी
युवा नेत्री
समस्तीपुर
Image
चिन्मय झा, दरभंगा

एहि प्रतियोगिता में प्रतिवर्ष “मैथिल मंच” द्वारा मिथिला के अलग-अलग तीन विभूति के स्मृति में या समर्पित कय पुरस्कार देल जाईत अछि।
एहि साल एहि क्रम में प्रथम पुरस्कार (जाहिमे 21000/- टका के पुरस्कार राशि आ सम्मानपत्र देल जाईत अछि) मिथिला राज्य आँदोलन के प्रणेता आ मैथिल मंच के प्रेरणास्रोत स्व. पं. ताराकांत झा के स्मृति में चैनपुर, सहरसा के बेटी सुश्री अर्चना मिश्रा जी के सर्वोत्तम पेंटिंग लेल प्रदान कयल गेल।
एहि साल द्वितीय पुरस्कार (जाहिमे 11000/- पुरस्कार राशि आ सम्मानपत्र देल जाईत अछि) दरभंगा के बेटी आ मिथिला के प्रथम मैथिल ब्राह्मण महिला चिकित्सक स्व. डॉ. अन्नपूर्णा मिश्रा जी के स्मृति में प्रदान कयल गेल, जहिमे दू गोटेक चयन भेल जहिमें मधुबनी के श्री पासवान जी आ पटना, बिहार सँ सुश्री निशिता कुमारी छथि।
एहिबेर प्रतियोगिता के तेसर पुरस्कार (जाहिमें 5100/- पुरस्कार राशि संग सम्मानपत्र देल जाईत अछि) मुक्ति आर्ट गैलरी के संयोजिका श्रीमती मुक्ति झा अपन दादीमाँ(अजियासास) बरदाहा, मधेपुरा के स्व. अमरेंद्र नारायण झाक पत्नी श्रीमती रोहिणी देवी जी के समर्पित कय रहल छथि। एहिबेर तृतीय पुरस्कार दू गोटे के देल गेलन्हि जहिमे दरभंगा, मिथिला सँ श्रीमती सुधा एम. आ उत्तरप्रदेश सँ श्रीमती झा ।

Image
द्वितीय पुरस्कार सहसराम, दरभंगा के वरिष्ठ समाजसेवी स्व. उदय चन्द्र चौधरी जी के स्मृति में सुश्री निशिता कुमारी, पटना
Image
श्रीमती रोहिणी देवी जी के समर्पित तेसर पुरस्कार श्रीमती झा, उत्तरप्रदेश

देशस्तर पर आयोजित होबयवला एहि प्रतियोगिता के निर्णायक मंडल में वरिष्ठ मिथिला-मैथिली अभियानी संग मिथिला पेंटिंग के स्तरीय पुरस्कार प्राप्त सदस्य लोकनि छलथि जिनक परिचय अछि :-

Image
डॉ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’
महासचिव
विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा
Image
डॉ. अयोध्या नाथ झा
मार्गदर्शक
मैथिल मंच
Image
डॉ. विद्यानाथ झा,
प्रधानाचार्य
एम.एल.एस.एम. कॉलेज, दरभंगा
Image
श्रीमती मुक्ति झा
संयोजिका
मुक्ति आर्ट गैलरी
Image
श्रीमती चन्द्रकला देवी
संयोजिका
कला निकेतन, दरभंगा
Image
श्रीमती विदिशा पाण्डेय (बाल-पुरस्कार हेतु)
संयोजिका
विदिशा क्रिएशंस, दुबई

मिथिला चित्रकला सँ अपन बच्चा लोकनि के जोड़बाक लेल विदिशा क्रिएशंस, दुबई के संयोजिका श्रीमती विदिशा पाण्डेय जी के विचार पर हुनक मार्गदर्शन में तीन टा बाल कलाकार के विदिशा क्रिएशंस के तरफ सँ सम्मानित कय उपहार देल गेलन्हि जहिमें प्रथम बाल-पुरस्कार भेटलन्हि सिंहभूम, झारखंड सँ सुश्री प्रियंका कुमारी के, द्वितीय बाल-पुरस्कार भेटलन्हि पटना, बिहार सँ सुश्री प्रिया झा के आ तृतीय बाल-पुरस्कार भेटलन्हि सूरत, गुजरात सँ सुश्री ऋषा झा के।

Image
सिंहभूम, झारखंड सँ सुश्री प्रियंका कुमारी
Image
सुश्री प्रिया झा, पटना
Image
सुश्री ऋषा झा, सूरत

एहि आयोजन के एकटा विशेष बात ई रहल जे मैथिल मंच के हमर सबके वंदनीय मातृस्वरुपा में दू गोटेक आशीष भेटल। पहिल मंच के कानूनी सलाहकार एडवोकेट माँडवी झा के संचालन में ई आयोजन भेल आ दोसर कवियित्री जयंती झा पहिल बैर मंच के आयोजन में उपस्थित भेलीह आ हमरा सब आयोजकलोकनि संग प्रतिभागीगण आ उपस्थित बालकलाकार लोकनि के उत्साहवर्धन कयलीह।
एहि आयोजन में सरकार द्वारा निर्धारित कयल गेल मानक के अनुरूप समस्त उपस्थित लोक के मिथिला पेंटिंग सँ सजल मास्क प्रदान कयल गेल आ मैथिल मंच के तरफ सँ उपस्थित समस्त कलाकारगण, प्रतिभागीगण, मीडियाकर्मी आ अतिथिगण के मिथिला पेंटिंग सँ सजल सामग्री उपहारस्वरुप देल गेलन्हि।

मिथिला चित्रकला के भीष्म पितामह, एहिबेर मिथिला चित्रकला में अभूतपूर्व योगदान हेतु मरणोपरांत मिथिला विभूति सम्मान सँ सम्मानित व्यक्तित्व आ पहिल मिथिला चित्रकला प्रतियोगिता के सबसँ वरिष्ठ मार्गदर्शक आ निर्णायक मंडल के अध्यक्ष स्व. कृष्ण कुमार कश्यप जी के पुष्पांजलि अर्पित करैत आयोजन के मीडिया सहयोगी ईसमादप्रायोजक चौधरी इन्टरप्राइजेज के चौधरी पंकज सिंह, अन्नपूर्णा ट्रेडिंग्स के विभूति चौधरी, गणपति स्टील आ फर्नीचर के नवनीत कुमार, विदिशा क्रिएशंस, दुबई के श्रीमती विदिशा पाण्डेय, डिस्कवर मल्टीपल टैलेंट के आनंद मोहन भारद्वाज,राईजिंग इंडिया के राजेश झा आ मंगलमय ग्रुप आफ ईजुकेशन के हार्दिक आभार व्यक्त करैत
एहि आयोजन के सफलता हेतु आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स, चंदन सिंह, सीए नीरज जी, शरदचंद्र झा,पल्लवी अग्रवाल आ उपस्थित समस्त गणमान्य लोकनि के सादर आभार व्यक्त करैत मंच के अध्यक्ष मणिभूषण’राजू’अगिला साल आर नीक आयोजन के प्रतिबद्धता जतेलनि।
Image

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *