Mithila Painting Exhibition -2015


 

Mithila Painting Exhibition -2015

मुम्बई महानगरी के विरार में आयोजित “बारहम अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन” में “मैथिल मंच” अपन सम्पूर्ण क्षमता सँ यथासंभव आयोजक के साथ जुड़ि आयोजन के सफल बनाबय लेल मेहनत कयल।
पहिल बेर “मैथिल मंच” एकटा अभियान लय मिथिलाक नव मिथिला पेंटिंग के कलाकार सबके एकटा संकलन लय क एहि आयोजन में भाग लेल । चारि टा कलाकार के लगभग 3000 सँ 5000 टकाक आमदनी भेल एहि अभियान सँ।
मिथिला पेंटिंग के लघु उद्योगक रुप मे विकसित कय, देश के हर मैथिल के घर में एकटा मिथिला पेंटिंग पहुचाबय के प्रथम प्रयास प्रारंभ भेल “मैथिल मंच” के द्वारा।
पहिल बेर मिथिला पेंटिंग सँ बनल ग्रीटिंग कार्ड, पोस्टर 50 टका स लय 200 टकाक पोस्टर के साथे 15000-20000 तक के मिथिला पेंटिंग स बनल टी-शर्ट, सूट, स्टोल, साड़ी, आदि के संकलन कय कोनो आयोजन में अतेक बृहद स्तर पर व्यवस्था कयल गेल।
आयोजन के सबसँ पैघ खासियत रहल जे एहि में कलाकार के किछु खर्च नहि भेल आ “मैथिल मंच” अपन खर्च सँ सब व्यवस्था कयल। एकटा मधुबनीक कलाकार, एकटा दरभंगाक कलाकार, एकटा पटनाक कलाकार आ एकटा औरंगाबाद क कलाकार के जोड़ि एकटा प्रयास प्रारंभ कयल।
.
.
सबगोटे सँ आग्रह जे “मैथिल मंच” के एहि अभियान सँ जुड़ि आ एकटा मिथिला पेंटिंग लय अपन घर में जरूर लगाबी।मिथिला पेंटिंग आहां सबहक घर-घर तक पहुंचाबय लेल “मैथिल मंच” प्रतिबद्ध अछि।
.
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल