Run For Unity-2016


Run For Unity-2016

आई 10 जुलाई के रवि दिन “मैथिल मंच” के प्रेरणास्रोत स्व. पं. श्री ताराकांत झाजीक जन्मदिवस (11जुलाई) के शुभ अवसर पर एकटा मिथिलाँचल-पूर्वांचल “UNITY RUN” के आयोजन कयल गेल छल, जहि में लगभग 25 किलोमीटर के के मोटरसाइकिल यात्रा, जे खोड़ा कालोनी, गाजियाबाद सँ प्रारंभ भय क इंदिरापुरम, वैशाली,कौशाम्बी होइत मोहननगर, गाजियाबाद तक आयोजित भेल ।एहि “UNITY RUN” में 10 टा मोटरसाइकिल पर 20 टा मैथिल भाग लेला आ बिहारी वा पूर्वांचली सँ एकटा अलग पहचान बनेबाक प्रयास करय लेल प्रण लेलनि। एहि “UNITY RUN” के नेतृत्व खोड़ा निवासी, आ युवा नेता श्री शिवम झा कयलाह। ओहि के बाद वृंदावन ग्रीन्स, मोहननगर(1 बजे सँ 4 बजे) में एकटा सामूहिक मैथिल समागम आ पुष्पांजलि अर्पण कार्यक्रम आयोजित भेल छल जहामें 50 टा सँ बेसी मैथिल स्व. पं. ताराकांत झाजी के फोटो पर पुष्पांजलि देलनि।

Image

आयोजन में शामिल हर सदस्य के “मैथिल मंच” के तरफ सँ एकटा “मैथिल मंच” के टी-शर्ट उपहारस्वरुप देल गेलनि।आयोजन में शामिल सदस्य सबके नाम अछि…..पवन झाजी आ राजेश झा, अरविंद झा, ताराकांत मिश्रा, आशुतोष मिश्रा, धीरेन्द्र मिश्रा, सुदर्शन कुमार, नन्दन झा, शिवम झा,रामबाबू सिंह, अरुण कमार मिश्रा, रोशन मिश्रा, सुमित झा आर बहुत लोक । आजुक शुभ दिन पर “मैथिल मंच” के नवका वेवसाइट सेहो लान्च कलय गेल एहि समारोह में। वृंदावन ग्रीन्स के ताराकांत मिश्राजी के अध्यक्षता में आजुक कार्यक्रम के लेल आयोजक गण के हार्दिक आभार। विशेष आभार जे लोक बाहर सँ आबि कार्यक्रम में भाग लेलाह आ मजबूती प्रदान कयलनि। सम्पूर्ण कार्यक्रम के सफल बनाबय में युवा नेता आ वरिष्ठ समाजसेवी श्री शरत झा ( महानगर मंत्री, भाजपा, गाजियाबाद) के विशेष धन्यवाद, जिनक मार्गदर्शन में हमसब एहि आयोजन सफलतापूर्वक सम्पन्न कय सकलौं।
.
जय मिथिला
जय जय मैथिल