About Us


“मैथिल मंच” सम्पूर्ण विश्व के समस्त मैथिल के एक मंच पर आनय लेल प्रतिबद्ध संगठन अछि। मिथिला के एतिहासिक, सामाजिक, सांस्कृतिक, साहित्यिक आ राजनीतिक धरोहर के सहेजकय विश्वपटल पर “मिथिला” के पहचान पुनः स्थापित करयलेल एहि संगठन के निर्माण कयल गेल अछि।

संगठनात्मक दृष्टिकोण सं “मैथिल मंच” तीन स्तर के अभेद्य संरचना पर बनल अछि। पहिल स्तर पर अपन-अपन क्षेत्र के विशिष्ट ५१ टा मार्गदर्शक गण छथि जिनकर मार्गदर्शन में ई संस्था चलैत अछि, संग में १०१ टा संरक्षकगण आ कार्यकारिणी के २५१ टा प्रतिबद्ध युवा देशभरि में “मैथिल मंच” के लेल समर्पित छथि।