Political Aspects Of Mithila


Image

“मिथिला राज्य” एकटा राजनीतिक मुद्दा अछि आ एकर समाधान सेहो राजनीतिक होयबाक चाही। धरना -प्रदर्शन, बातचीत, कनफुसकी वा अर दोसर रास्ता सहायक भय सकैत अछि मुदा “मिथिला राज्य” लेल जाबेतक विधानसभा, लोकसभा में आवाज नहि उठत ……… तबेतक हमसब एहिना चलैत रहत। हमसब अपना जिबैत “मिथिला राज्य ” देखय चाहय छी आ ओकरा लेल एकजुट भय एकमात्र राजनीतिक विकल्प पर केन्द्रित भय , एकटा मिथिला केन्द्रित पार्टी बना विधानसभा आ लोकसभा में अपन प्रतिनिधि पठाबय पड़त”।

……ई कथन छनि “मैथिल मंच” के राष्ट्रीय प्रवक्ता श्री राहुल मिश्रा जी के, 17 जुलाई के जंतर-मंतर वला धरना-प्रदर्शन में। विभिन्न पार्टी के तमाम मंचासीन नेतागण एकर संभावना पर अपन मौन सहमति जाहिर कयलनि।

आग्रह जे एकबेर हिनक आवाहन सुनु आ अपन सुझाव दिय- 8826566136
.
निश्चय राजनीतिक मुद्दा के समाधान राजनीतिक तरीका सँ भय सकैत अछि…..ई बात बाबासाहेब अम्बेदकर कहि गल छथिन….

वर्तमान में मिथिला में तीन टा राजनीतिक पार्टी सक्रिय छथि जहिमे अखिल भारतीय मिथिला पार्टी सबसँ पुरान अछि।

Image
आदर्श मिथिला पार्टी
image
मिथिलाँचल मुक्ति मोर्चा