समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ मंच के संरक्षक, सफल युवा उद्यमी संग युवा राजनेता ई. गजेन्द्र झा के जन्मदिन के बधाई आ शुभकामना :: मणिभूषण ‘राजू

ErGajendraJha

समस्त “मैथिल मंच” परिवार के तरफ सँ मंच के संरक्षक, सफल युवा उद्यमी संग युवा राजनेता ई. गजेन्द्र झा के जन्मदिन के बधाई आ शुभकामना दैत मणिभूषण ‘राजू’ कहलथि कि मिथिला के आगा लय जेबाक लेल जहि युवा सोच के आवश्यकता अछि ओकर एकटा स्वरुप छथि ई. गजेंद्र झा
ई. गजेंद्र झा एकटा सफल मैथिल उद्यमी, समाजसेवक संग मिथिला लेल बहुत किछु करबाक लेल समर्पित युवा राजनेता छथि। हमसब ई. गजेन्द्र झा में मिथिला के भविष्य के नेतृत्व देख रहल छी।
Image
विदित होई कि गजेन्द्र जी मैथिल मंच द्वारा आयोजित “मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” के परिणाम संग पुरस्कार वितरण समारोह में विशिष्ट अतिथि रूप में आयल छलथि आ हुनक विचार आ मिथिला पेंटिंग के क्षेत्र में कयल काज आ भविष्य के लेल कार्ययोजना पर चर्चा के क्रम में सैकड़ो कलाकारगण के मनोबल बढ़लनि आ एकटा विश्वास बनलन्हि कि आगा चलबाक नहि अछि अपितु आब आगा दौड़बाक अछि आ दुनिया में मिथिला के एहि कला के वृहत औद्योगिक रूप में प्रस्तुत करबाक अछि।
Image
मंच के कलाकारगण द्वारा जूट पर मिथिला पेंटिंग सँ सजाकय बनाओल गेल बैग आ पर्स ई. गजेंद्र झा जी के उपहारस्वरूप प्रदान कयल गेल आ एहि तरहक बनल आर सब समान के ब्राँडिंग लेल गजेंद्र जी कलाकारगण के सतत सहयोग के आश्वासन देलन्हि।
Image
गजेन्द्र झा जीक स्वागत करैत मंच सँ सीए नीरज कुमार अपन अनुभव आ मार्गदर्शन में एकटा परियोजना तैयार कय काज करबा लेल सहमति देलन्हि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *