“मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” के परिणाम संग पुरस्कार वितरण समारोह

Image

दरभंगा । समदिया

विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा द्वारा आयोजित 48सम मिथिला विभूति पर्व समारोह-2020 में मैथिल मंच द्वारा आयोजित “मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” के परिणाम संग पुरस्कार वितरण समारोह के आयोजन दिनांक 30 नवंबर के एम.एल.एस.एम. कॉलेज सभागार में भोरे 10 बजे सँ 2 बजे तक सरकार द्वारा तय कोरोना के गाईडलाईन के अनुरूप आयोजित होयत।
विदित होई कि एहि प्रतियोगिता में प्रतिवर्ष मैथिल मंच द्वारा मिथिला के अलग-अलग तीन विभूति के स्मृति में या समर्पित कय पुरस्कार देल जाईत अछि।
Image
एहि साल एहि क्रम में प्रथम पुरस्कार (जाहिमे 21000/- टका के पुरस्कार राशि आ सम्मानपत्र देल जाईत अछि) मिथिला राज्य आँदोलन के प्रणेता आ मैथिल मंच के प्रेरणास्रोत स्व. पं. ताराकांत झा के स्मृति में प्रदान कयल जायत।
Image
एहि साल द्वितीय पुरस्कार (जाहिमे 11000/- पुरस्कार राशि आ सम्मानपत्र देल जाईत अछि) दरभंगा के बेटी आ मिथिला के प्रथम मैथिल ब्राह्मण महिला चिकित्सक स्व. डॉ. अन्नपूर्णा मिश्रा जी के स्मृति में प्रदान कयल जायत।

Image
एहिबेर प्रतियोगिता के तेसर पुरस्कार (जाहिमें 5100/- पुरस्कार राशि संग सम्मानपत्र देल जाईत अछि) मुक्ति आर्ट गैलरी के संयोजिका श्रीमती मुक्ति झा अपन दादीमाँ(अजियासास) बरदाहा, मधेपुरा के स्व. अमरेंद्र नारायण झाक पत्नी श्रीमती रोहिणी देवी जी के समर्पित कय रहल छथि।

देशस्तर पर आयोजित होबयवला एहि प्रतियोगिता के निर्णायक मंडल में वरिष्ठ मिथिला-मैथिली अभियानी संग मिथिला पेंटिंग के स्तरीय पुरस्कार प्राप्त सदस्य लोकनि छथि जिनक परिचय अछि :-

Image
डॉ. बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’
महासचिव
विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा
Image
डॉ. अयोध्या नाथ झा
मार्गदर्शक
मैथिल मंच
Image
डॉ. विद्यानाथ झा,
प्रधानाचार्य
एम.एल.एस.एम. कॉलेज, दरभंगा
Image
श्रीमती मुक्ति झा
संयोजिका
मुक्ति आर्ट गैलरी
Image
श्रीमती चन्द्रकला देवी
संयोजिका
कला निकेतन, दरभंगा
Image
श्रीमती विदिशा पाण्डेय
संयोजिका
विदिशा क्रिएशंस, दुबई

मिथिला चित्रकला सँ अपन बच्चा लोकनि के जोड़बाक लेल विदिशा क्रिएशंस, दुबई के संयोजिका श्रीमती विदिशा पाण्डेय जी के विचार पर हुनक मार्गदर्शन में तीन टा बाल कलाकार के विदिशा क्रिएशंस के तरफ सँ सम्मानित कय उपहार देल जेतन्हि।