“मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” में द्वितीय पुरस्कार मिथिला के सुप्रसिद्ध पहिल महिला चिकित्सक स्व. डॉ. अन्नपूर्णा मिश्रा जी के स्मृति में राजनगर, मधुबनी के नरेश पासवान जी के प्रदान कयल गेल


Image

“मैथिल मंच” द्वारा “मिथिला कला रक्षा संकल्प” हेतु आयोजित “मिथिला लोक-चित्रकला प्रतियोगिता 2020” के द्वितीय पुरस्कार के रूप में सम्मान पत्र संग 11000/- राशि देल जाईत अछि।
एहि साल ई सम्मान दरभंगा के सुप्रसिद्ध चिकित्सक स्व. डॉ. अन्नपूर्णा मिश्रा जी के स्मृति में राजनगर, मधुबनी के कलाकार श्री नरेश पासवान जी के प्रदान कयल गेल।

Image

विदित होई कि डॉ. अन्नपूर्णा मिश्रा दरभंगा मेडिकल कॉलेज सँ उत्तीर्ण पहिल मैथिल ब्राह्मण महिला चिकित्सक छलीह। फरवरी 1989 ई. में अवकाश प्राप्त करबा सँ पहिने ओ दरभंगा मेडिकल कॉलेज में विभागाध्यक्ष (ऑब्स और गायनो) के पद पर प्रतिष्ठित छलीह।
अन्नपूर्णा मिश्रा के जन्म दरभंगा, मिथिला के एकटा रूढ़िवादी आ पारंपरिक मैथिल ब्राह्मण परिवार में सन् 1929 ई. में भेल छल। श्री परिक्षित मिश्रा सँ विवाहोपरान्त ओ अपन पढ़ाई पूर्ण कयलथि। हुनक अथक मेहनत आ कतेको वर्षक तपस्या के बाद अनेकों महिला लोकनि लेल मेडिसिन में पढ़ाई के द्वार खुजल।
WHO (वर्ल्ड हेल्थ आर्गेनाइजेशन) के तरफ सँ स्कालरशिप पर हुनका विशेष प्रशिक्षण हेतु स्वीडन, नार्वे आ सिंगापुर आदि अनेकों देश में सेवा देबाक अवसर भेटलन्हि। दरभंगा वापस आबि ओ सुदूर मिथिला के ग्रामीण क्षेत्र सबमें अपन सेवा देलन्हि जहिसँ हजारों महिला लोकनि के सेवा भेल। दरभंगा में
शिक्षा के विकास हेतु हुनका द्वारा स्थापित “महारानी कल्याणी कॉलेज” समस्त मिथिला लेल हुनक एकटा याद छन्हि।

ई हमर सबके दुर्भाग्य कहल जायत जे अपन सम्पूर्ण जीवन मिथिला के सेवा में समर्पित कयनिहार स्व. डॉ. अन्नपूर्णा मिश्रा के परिवार के आई दरभंगा छोड़ि कय पलायन करय पड़लन्हि। एकटा पैघ सम्भ्रान्त परिवार के कतेको बेर धोखा भेलाक बाद केना दरभंगा सँ पलायन करय पड़लन्हि ओकर एकटा दु:खद कहानी आगा फेर…..