मिथिला स्टुडेंट यूनियन के प्रांतीय स्थापना दिवस दरभंगा में समारोहपूर्वक मनाओल गेल :: अविनाश भारद्वाज

msusthapna

दरभंगा में आयोजित संगठन प्रांतीय स्थापना दिवस के आठ वर्ष पूरा होने के शुभ अवसर पर मुख्य अतिथि राष्ट्रीय अध्यक्ष आदित्य मोहन जी, मिथिला महामंडलेश्वर मौनी बाबा, मैथिल जींस के संस्थापक ऋषि वरुण मिश्र अखिल भारतीय ब्राह्मण फाउंडेशन के प्रदेश अध्यक्ष उदय जी, प्रोफेसर डॉ. विद्यानाथ झा, डॉ. प्रो.जय शंकर झा, डॉ. गोपाल जी एवं संजय मिश्र सेल कर अधिकारी, बिहार सरकार ने विधिवत रूप से दीप प्रज्वलित करके कार्यक्रम की शुरुआत की।
दोसर दिस मिथिलावादी पत्रिकाक दोसर अंकक विमोचन संस्थाक सभ मुख्य अतिथि आ पदाधिकारी द्वारा संपादक प्रियंका जीक नेतृत्व मे कयल गेल ।
कार्यक्रम के तेसर चरण में उत्कृष्ट कार्यकर्ता के सम्मानित कायल गेल, जाहि में अंकित आजाद के विशेष कार्यकर्ता के रूप में चयन कायल गेल।

msudbg
आ पंचायत स जिला स्तर तक के बहुत रास पदाधिकारी के समर्पण आ निष्ठा के देखैत दरभंगा, मधुबनी, झंझारपुर, सहरसा, निर्मली के बहुत रास पदाधिकारी आ कार्यकर्ता के प्रशंसा पत्र द क सम्मानित कायल गेल।
कार्यक्रम के अंतिम दौर में मैथिल कलाकार सब गंठबंधन केलनि, जाहि में आयुष्मान शेखर, शोभा भारती, चांदनी चकोर, सुमित कुमार सहित कतेको अद्भुत कलाकार अपन शानदार प्रस्तुति के माध्यम स अपन प्रस्तुति देलनि।
विशेष धन्यवाद सब कार्यकर्ता, पदाधिकारी, विशेष अतिथि, कलाकार आ सहयोगी, शुभचिंतक, अभिभावक जे आयल छलाह।
एहि सफल आयोजन लेल सब कार्यकर्ता के पुनः बहुत बहुत बधाई !!
# उद्घाटन समारोह
#msuofficial #MSU # मिथिलाराज्य

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *