जन्मदिन विशेष (13 अप्रील) – अपन कंपनी OJPL के माध्यम सँ न्यूनतम खर्च में सहज, सुविधायुक्त आ सुगम हवाई यात्रा करा रहल छथि शंकर कुमार झा

IJPL

जन्मदिन विशेष (13 अप्रील) – अपन कंपनी OJPL के माध्यम सँ न्यूनतम खर्च में सहज, सुविधायुक्त आ सुगम हवाई यात्रा करा रहल छथि शंकर कुमार झा

OJPL के संस्थापक श्री शंकर कुमार झा मिथिला के लोक के अपन कंपनी के माध्यम सँ न्यूनतम खर्च पर हवाईयात्रा करा रहल छथि।
मिथिला के लेल ई स्टार्टप एकटा सुविधाजनक अछि जे अहाँ न्यूनतम खर्च पर अपन हवाईयात्रा प्लान कय सकय छी आ सबसँ पैघ बात जे OJPL टिकट कटेबाक संग अहाँक सुगम आ सुविधाजनक यात्राक सेहो व्यवस्था करैत अछि। यदि यात्राक क्रम में यात्रीलोकनि के कोनो तरहक समस्या रहय छन्हि त शंकर जी ओकर समाधान हेतु सतत सहयोग करय छथि।
एकटा कस्टमर के रूप में हमसब हिनक व्यवस्था के लाभ उठेने छी आ हृदयतल सँ आभार प्रकट करैत अहाँसबसँ सेहो आग्रह करब जे अपन एहि मैथिल स्टार्टप के संग जुड़ि सुविधाक लाभ उठाबी आ एकरा मजबूती प्रदान करी।

आई OJPL के संस्थापक शंकर कुमार झा जी के जन्मदिन के बधाई दैत समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफसँ हार्दिक शुभकामना प्रेषित करय छी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *