त्रिदिवसीय 51वां मिथिला विभूति पर्व समारोह 25 नवंबर सँ :: आशीष चौधरी

vps

त्रिदिवसीय 51वां मिथिला विभूति पर्व समारोह 25 नवंबर सँ
—————–
समारोह के आयोजन के लय क सब समिति गठित
—————-

त्रिदिवसीय 51वां मिथिला विभूति पर्व समारोह 25 नवंबर सँ होयत। आयोजन के रूपरेखा तय करबा लेल के बुध दिन साँझमे विद्यापति सेवा संस्थानक आम सभा संस्थान केर प्रधान कार्यालय परिसर में सम्पन्न भेल। संस्थान के अध्यक्ष प्रो शशिनाथ झा आ कार्यकारी अध्यक्ष डाॅ बुचरू पासवानजी केर संयुक्त अध्यक्षता में आयोजित बैसार में प्रति वर्ष के भांति एहि साल सेहो कवि कोकिल विद्यापति के निर्वाण दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी तिथि तदनुसार 25 नवंबर सँ तीन दिवसीय समारोह आयोजित करबाक निर्णय लैत आयोजन के लय क विभिन्न समितिसबके गठन कयल गेल। समारोहक मुख्य संरक्षक ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के यशस्वी कुलपति प्रो सुरेंद्र प्रताप सिंह केर बनाओल गेल। जबकि मिथिला के सामाजिक, साहित्यिक एवं सांस्कृतिक संरक्षण एवं संवर्द्धन हेतच समर्पित एहि गौरवशाली आयोजन के संरक्षक महात्मा गांधी शिक्षण संस्थान के चेयरमैन हीरा कुमार झा, प्रसिद्ध चिकित्सक डॉ एमके शुक्ला, अहमदाबाद के प्रवासी मैथिल संतोष कुमार मिश्र सहित ट्राई कलर प्रोपर्टीज लिमिटेड के कार्यकारी निदेशक रंजन कुमार झा के बनाओल गेल। आयोजनक सलाहकार समितिक अध्यक्ष पं कमला कांत झा, स्वागताध्यक्ष सुप्रीम कोर्ट के ओजस्वी अधिवक्ता एवं मनीगाछी प्रखंड केर उजान गामवासी आशुतोष मिश्र, स्वागत महासचिव प्रो. जीवकांत मिश्र व सह सचिव क्रमशः दुर्गा नन्द झा, मणिभूषण राजू, आशीष चौधरी एवं पुरुषोत्तम वत्स बनाओल गेलथि। कोषाध्यक्ष केर कमान एकबार फेर डॉ गणेश कांत झा के सौंपल गेल। जखनकि संस्थानक मुख पत्रिका ‘अर्पण’ के संपादक एकबार पुन: डॉ महेद्र नारायण राम आ सहायक संपादक प्रवीण कुमार झा बनाओल गेलाह। कवि सम्मेलन के संयोजक प्रो अशोक कुमार मेहता व अंतरराष्ट्रीय संगोष्ठी के प्रभारी मणिकांत झा बनाओल गेलाह। शोभा यात्राक संयोजक विनोद कुमार झा एवं सह संयोजक प्रो. विजय कांत झा बनलाह। समारोह में देबय जायवला विभिन्न सम्मान हेतु पं. कमला कांत झाक अध्यक्षता में तीन सदस्यीय कमेटी केर गठन कयल गेल। कमेटी में बतौर सदस्य वरिष्ठ साहित्यकार डॉ महेन्द्र नारायण राम एवं प्रवीण कुमार झा शामिल कयल गेलथि।

सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन समिति केर संयोजक बनाओल गेलाह कमलाकांत
—————-
सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन के लेल पं कमलाकांत झा केर संयोजन में गठित समिति में प्रो. चन्द्रनाथ मिश्र एवं प्रो. जीवकांत मिश्र के शामिल कयल गेल अछि। मीडिया संयोजन एवं कार्यालय सचिव के प्रभार प्रवीण कुमार झा के एकबार पुन: सर्वसम्मति सँ भेटलन्हि आ प्रो. चंद्रशेखर झा बूढ़ाभाई के मीडिया दीर्घा के सह संयोजक बनाओल गेलन्हि। आयोजन में महिला दीर्घाक समुचित व्यवस्थापन हेतच गठित समिति केर बागडोर स्वर्णिम किरण झा एवं डाॅ सुषमा झा के सौंपल गेल।


विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव डाॅ बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलथि कि बैसार में उपस्थित लोकनि सर्वसम्मति सँ 51वें मिथिला विभूति पर्व समारोहक तैयारी के साथ-साथ अभियान चलाकय एहि समारोह में युवा, महिला एवं प्रवासी मैथिललोकनिक सक्रिय भागीदारी सुनिश्चित करत देशव्यापी सांस्कृतिक एकजुटता कायम करबाक लेल संकल्प लेलथि। मिथिला चित्रकला के संरक्षित करबाक उद्देश्य सँ समारोह में विभिन्न प्रतियोगिता के भव्य आयोजन पर सेहो सबगोटे सहमति देलथि आ एहि काज के लेल मणिभूषण राजू के संयोजन में आशीष चौधरी एवं पुरुषोत्तम वत्स केर एक कमेटी गठित कयल गल। समारोह के दौरान शांति व्यवस्था कायम करबा लेल बालेंदु झा, निगम पार्षद मुकेश महासेठ एवं डॉ रामसुभग चौधरीक तीन सदस्यीय समिति गठित कयल गेल। प्रो शेष रमण झा केर आवासन व्यवस्थापन के संग हरिकिशोर चौधरी एवं मनीष झा रघु के भोजन एवं जलपान व्यवस्थाक जवाबदेही देल गेल। अध्यक्षीय संबोधन में संस्थान के अध्यक्ष सह कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के यशस्वी कुलपति प्रो शशिनाथ झा लगातार तीन दिन तक आयोजित होबयवला एहि साहित्यिक, सामाजिक एवं सांस्कृतिक महाकुम्भक सफलता के लेल सबगोटे सँ समवेत भय क सामूहिक प्रयास करबाक आह्वान कयलन्हि। बैसार में डॉ अनिल कुमार झा, डॉ उदय कांत मिश्र, नवल किशोर झा, चौधरी फूल कुमार राय, अमरनाथ चौधरी आदि लोकनिक उल्लेखनीय उपस्थिति रहल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *