मैथिली दिवा “काजल कर्ण” द्वारा मैथिली में अनुवाद कयल श्रीमद्भगवद्गीता हर घर तक पहुँचय ई अपन सबके दायित्व होबाक चाही :: बालेन्दु झा

KAJALKARNUSA

मैथिली दिवा “काजल कर्ण” द्वारा मैथिली में अनुवाद कयल श्रीमद्भगवद्गीता हर घर तक पहुँचय ई अपन सबके दायित्व होबाक चाही :: बालेन्दु झा

मैथिली दिवा के नाम सँ प्रसिद्ध “काजल कर्ण” जी केर दरभंगा यात्रा के क्रम में दरभंगा टावर पर मैथिल मंच के The Mithila Art Store पर भाजयुमो अध्यक्ष बालेन्दु झा द्वारा स्वागत कयल गेल आ मिथिला आ मैथिली हेतु काजल जी अपन परियोजना सबके संक्षिप्त विवरण देलथि।
विवरण के क्रम में काजल जी द्वारा मैथिली भाषा में अनुवादित श्रीमद्भगवद्गीता के प्रति उपहारस्वरूप देल गेल जहि लेल काजल जी के वैश्विक प्रशंसा होईत रहैत अछि।
अपन संक्षिप्त परिचय में काजल जी मैथिली दिवा द्वारा मिथिला-मैथिली लेल कयल जा रहल विभिन्न प्रयासक विवरण देलन्हि।

एहि क्रम में युवा जिलाध्यक्ष बालेन्दु झा काजल जी के स्वागत करैत मैथिली में अनुवादित श्रीमद्भागवद्गीता के हर घर तक पहुँचाबय हेतु अपन सहयोगक आश्वासन देलन्हि।
मिथिला पेंटिंग आ अन्य कला हेतु वैश्विक पटल पर एकटा नव आ मजबूत प्रयास हेतु विमर्श भेल आ काजल जी यूएसए पहुँचकय एहिपर विशेष प्रोजेक्ट के रूप में काज करबा हेतु प्रतिबद्धता जाहिर कयलनि।
एहि अवसर पर मणिभूषण राजू, संजीव जी, रिया, नीतू, छायाजी आ अन्य कलाकारगण उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *