जन्मदिन विशेष (8 अप्रील) – मध्यमवर्गीय परिवारक संघर्ष सँ सफलता तक के एकटा आदर्श कहानी छथि कमलेश झा :: मणिभूषण ‘राजू’

kamleshjha

जन्मदिन विशेष (8 अप्रील) – मध्यमवर्गीय परिवारक संघर्ष सँ सफलता तक के एकटा आदर्श कहानी छथि कमलेश झा :: मणिभूषण ‘राजू’

आई अनुजवत मित्र कमलेश झा जी के जन्मदिवस छन्हि। कमलेशजी मिथिला के गाम ढ़ंगा हरिपुर मधुबनी सँ छथि आ सम्प्रति दिल्ली के लक्ष्मीनगर में स्वतंत्र टैक्स कंसल्टेंट के रूप में एकटा अपन पहचान बनेने छथि। मिथिलाक एकटा सामान्य परिवार सँ अपन संघर्षपूर्ण जीवन में सफलताक के एकटा शिखर तक पहुँचयवला कमलेशजी अपनेआप में एकटा आदर्श कहानी छथि जहिसँ आजुक युवा पीढ़ी प्रेरणा लय सकय छथि।
अपन पारिवारिक दायित्व सँ प्रारंभ करैत प्रोफेशनल सँ लय क सामाजिक जीवन में जहि तरहें ईमानदारी सँ आई कमलेश जी अपन एकटा पहचान बनेने छथि ओ काबिलेतारीफ अछि।
मैथिल मंच के प्रारंभ सँ शुभचिंतक, सहयोगी आ एक तरहसँ आधारस्तंभ के रूप में सतत संग देनिहार कमलेश झा जी के समस्त मंच परिवार के तरफसँ जन्मदिन के ढ़ाकीभरि बधाई आ शुभकामना।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *