स्कूलक बच्चालोकनि हेतु आर्यभट्ट टैलेंट हंट प्रतियोगिता के पंजीकरण 14 अप्रील सँ प्रारंभ होयत :: मणिभूषण ‘राजू’

स्कूलक बच्चालोकनि हेतु आर्यभट्ट टैलेंट हंट प्रतियोगिता के पंजीकरण 14 अप्रील सँ प्रारंभ होयत :: मणिभूषण ‘राजू’

छठम कक्षा सँ बारहम कक्षा के बीच के स्कूली बच्चालोकनि के प्रतिभाक पहचान हेतु युवा संस्कार मिथिला फाउंडेशन के तत्वावधान में आर्यभट्ट टैलेंट हंट के आयोजन कयल जायत। उत्तर बिहार के सब जिला के छात्र-छात्रालोकनि के बीच प्रतियोगिता परीक्षा आयोजित करबा हेतु 14 अप्रैल सँ पंजीकरण के काज प्रारंभ होयत। एहि के जानकारी शुक्रदिन फाउंडेशन द्वारा आयोजित प्रेस वार्ता में आर्यभट्ट टैलेंट हंट के संयोजक पुरुषोत्तम वत्स देलथि। ओ कहलथि कि टैलेंट हंट में चयनित छात्र-छात्रालोकनि के पारितोषिक आ छात्रवृत्ति प्रदान कयला के के संगहि हुनकर प्रतिभा के निखारय लेल अनेक योजना शुरू कयल जायत।

Ath
टैलेंट हंट क सह संयोजक मणि भूषण राजू कहलथि कि विशेष रूप सँ ग्रामीण परिवेश के स्कूली बच्चाकें प्रतिभाक खोज के लेल आयोजित कयल जा रहल एहि प्रतियोगिता परीक्षाक प्रारूप पतंजलि विश्वविद्यालय के पूर्व प्रति कुलपति वी कुलवंत के मार्गदर्शन में तैयार कयल गेल अछि। जहनकि एकर लाभ समाज के अंतिम पंक्ति के छात्रलोकनि तक पहुंचाबय के लेल अनेक स्तर पर युवालोकनिक टीम तैयार कयल जा रहल अछि।

AryabhattTalentHumt2023

पत्रकार वार्ता में उपस्थित विद्यापति सेवा संस्थान के महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू स्कूली बच्चालोकनिक प्रतिभाक खोज के लेल युवाजन के एहि अभियानक स्वागत करैत हर संभव सहयोग देबाक घोषणा कयलथि। ओ कहलथि कि वर्तमान प्रतिस्पर्धा के युग में एहि तरह के आयोजन सँ स्कूली छात्रसबके प्रतिभा के उज्ज्वल भविष्य के लेल संभावना के नव-नव द्वार खुलत। पत्रकार वार्ता में प्रवीण कुमार झा, आशीष चौधरी संग काजल कर्ण सेहो अपन विचार रखलीह।

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *