मैथिलीक चर्चित लेखक व पत्रकार श्री दिनेश यादव केँ विद्यापति पुरस्कार कोषसँ “मैथिली अनुसंधान पुरस्कार” सँ सम्मानित कएल गेलनि :: रबीन्द्र चौधरी

Image

नेपालक मैथिली समाचार

नेपाल सरकार द्वारा मैथिलीक चर्चित लेखक व पत्रकार श्री दिनेश यादव केँ विद्यापति पुरस्कार कोषसँ “मैथिली अनुसंधान पुरस्कार” सँ सम्मानित कएल गेलनि। जनकपुरमे काल्हि आयोजित सम्मान समारोहमे हिनका 1 लाख टाका, दोसाला आ ताम्रपत्र देल गेलनि। नेपालक सप्तरी जिलाक निवासी श्री यादव नेपालक चर्चित अखबार ‘कांतिपुर’क वरिष्ठ उप- संपादक छथि।
नेपालक इतिहासमे मैथिली भाषाक नाम पर देल जा रहल ई सभसँ पैघ राशि वाला पुरस्कार अछि। एहि पुरस्कारक शुभारंभ विक्रम संवत २०६८ ( वर्ष 2011) मे भेल अछि। एखन धरिमे मैथिलीक 33 व्यक्तित्वकेँ इ सम्मान देल जा चुकल अछि।
श्री दिनेश यादव जी केँ हार्दिक बधाइ आ शुभकामना।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *