बेनीपट्टी परिसरक लेखन-2 :: मिथिलेश कुमार झा

Image

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (11)

परमानंद झा शास्त्री आहपुर, दामोदरपुर गामक रहथि। ई संस्कृतक विद्वान छलाह। मैथिली, संस्कृत आ हिंदीमे मौलिक लेखनक संगहि ई संस्कृतसँ अनुवाद आ संपादनक महत्वपूर्ण काज सभ केलनि। हिनक प्रकाशित पोथी सभ छनि :–
1) पार्वती परिणय (अनुवाद, पाँचम संस्करण 1965)
2) रत्नावली नाटिका (अनुवाद संकलन, 1956)
3) मैथिली नव निबंधावली (1961)
4) निबंध निकुंज, मैथिली
5) निबंध मानस, संस्कृत
6) चीनी का लड्डू, गद्य-पद्य मिश्रित, हिंदी आदि।
संपादित पोथी :–
1) कथाकुंज, मैथिली
2) दुर्गाभक्ति तरंगिणी, संस्कृत

भूपनारायण झा बेहटा गामक छलाह आ निष्णात पण्डित रहथि। हिनक निम्न एक गोट पुस्तकक प्रकाशनक जंतब अछि :–
1) सूक्ति मुक्तावली, संस्कृत

उपेन्द्र झा बनकट्टा गामक वासी रहथि आ दरभंगामे रहैत छलाह। ई पैघ गणितज्ञ छलाह। हिनका द्वारा मध्यकालीनक एकटा पोथी संपादित ओ प्रकाशित तथा एकटा हिंदी पोथी प्रकाशित छनि :–
1) गौरी स्वयंवर नाटिका, मैथिली
2) मिथिला पुरी का अभिज्ञान, हिंदी

पुरुषोत्तम झा बनकट्टा गामक वासी छलाह। ई उपेन्द्र झा पुत्र छलखिन। मैथिलीमे नवगीतक एकटा प्रमुख हस्ताक्षर छलाह। कोनो समयमे पटना सँ लऽ समस्त प्रमुख मंच पर हिनक गीत गाओल जाइत छल। हिनक असामयिक देहांत भए गेलनि।

मुनीश्वर सिंह शाहपुर (शिवनगर शाहपुर)क वासी छलाह। ई स्वतंत्रता सेनानी छलाह। ई प्रगतिशील विचारक आ बहुत अध्ययनशील छलाह । तहिना लेखनशील सेहो । हिनक पुस्तक प्रकाशनक सेहो सूचना अछि । पारिवारिक सूत्रक अनुसार हुनक लिखल एक पुस्तक छनि हिन्दीमे —
1) शीशे की दीवार

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (12)

बैद्यनाथ झा डुमरा (चतरा डुमरा) केर वासी रहथि। हिनक कर्मक्षेत्र मोजफ्फरपुर रहनि। संस्कृत, हिंदी आ मैथिलीक ई प्रकांड विद्वान छलाह। संस्कृत, मैथिली आ हिंदीमे रचना करैत छलाह। हिनक प्रकाशित कृति सभ एहि तरहें अछि :–
1) एकावली परिणय : एक अध्ययन, समीक्षा, मैथिली
2) लोचनविमर्श:, ध्वन्यालोकक टीका, संस्कृत
3) मंडन मिश्र श्रद्धा कुसुमांजलि, संस्कृत- हिंदी (मंडन मिश्र – शंकराचार्यक मध्य शास्त्रार्थक भ्रामक अवधारणाक प्रामाणिक खण्डनसँ संबंधित महत्वपूर्ण पोथी)
4) मैथिली निरुक्त
5) मैथिली शब्द मीमांसा
6) गंगा प्रदूषण समीक्षा आदि।

फूलो पासवान मकिया गामक निवासी छथि। कओलेजक चाकरीमे कइएक ठाँ होइत संप्रति नवादामे छथि। हिनक प्रभास कुमार चौधरी पर शोध कएल छनि। लोक विषयक हिनक आलेखादि सझिया संग्रह सभमे प्रकाशित छनि। हिनक कृति निम्न प्रकारें अछि :–
संग संपादन —
1) सलहेस लोकगाथा
2) दीनाभद्री लोकगाथा
प्रकाशनाधीन पोथी —
1) प्रभास कुमार चौधरी ओ कथासंसार
2) प्रभास कुमार चौधरी ओ उपन्यास

दुखहरण झा दामोदरपुर गामक वासी छथि आ कानपुर रहै छथि। साहित्यिक लेखनमे रुचि छनि । कविता आ गीत लिखै छथि। हिनक कृति सभ एहि तरहें अछि :–
प्रकाशित पोथी —
1) नेहा, कविता संग्रह, मैथिली (2000)
अप्रकाशित पोथी —
1) रंग बरसए (मैथिली लोकगीत)
2) रजतामृत (आध्यात्मिक लोकगीत)
3) घर द्वारि (मैथिली गीत)
4) आंगन मे पाहुन (मैथिली कविता)

मानेश्वर मनुज गम्हरियाक वासी छथि। हिनक कर्मक्षेत्र मुंबइ रहलनि। सम्प्रति मधुबनी रहै छथि। ई मैथिली ओ हिंदीमे कथा, ललित निबंध ओ कविता आदि लिखै छथि। विभिन्न पत्र-पत्रिकादिमे रचना छपैत रहैत छनि। हिनक प्रकाशित कृति अछि :–
1) नयनाभिराम, ललित निबंध संग्रह, 1981
2) संबंध, कथा संग्रह, 2007
3) कि, कविता संग्रह, 2011
4) परिवर्तन, कहानी संग्रह, हिंदी, 2019 आदि ।

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (13)

Imageमैथिल प्रशांत दुर्गौली गामक छथि। गामहि पर रहि कविता, गीत आ गजल लिखै छथि। हिनकर सैकड़ो गीत रिकॉर्डिंग भेल छनि आ बेस प्रशंसित छनि। नवतुरिया रचनाकारमे कविताक लेल ई एकटा प्रमुख नाम छथि। हिनक प्रकाशित कृति सभ एना अछि :–
1) अखरा चान, कविता संग्रह
2) समयक धाह पर, कविता संग्रह
3) घाम होयबाक अकुलाहटि, कविता संग्रह
प्रकाशनाधीन —
1) कचकैए मोन, गजल संग्रह

 

 

 

 

Imageरुपेश त्योंथ (रुपेश कुमार झा) केर गाम छनि त्योंथ। हिनक कर्मक्षेत्र कोलकाता छनि। ई व्यंग्य आ कविता लिखै छथि। व्यंग्य लेखनमे हिनक अपन स्थान छनि। मैथिली दैनिक ‘मिथिला समाद’मे हिनक व्यंग सिरीज ‘खुरचनभाइक कछमच्छी’ शीर्षकसँ प्रत्येक दिन छपैत छल। ई व्यंग छद्म नाम ‘नवकृष्ण ऐहिक’ नामे लिखै छलाह। हिनक दोसर मैथिली व्यंग सिरीज हिंदी दैनिक ‘युवा शक्ति’मे ‘कागत पर कुश्ती’ नामे अबैत छल। ई नाटक सेहो लिखै छथि। हिनक प्रकाशित कृति अछि :–
1) एक मिसिया, कविता संग्रह
2) खुरचनभाइक कछमच्छी, व्यंग्य संग्रह
नाटक मंचित आ प्रकाशनाधीन —
1) कनफुसकी
संपादन —
1) झलक मिथिला (साप्ताहिक)
2) मिथिमीडिया (वेब पोर्टल)

Imageअक्षय आनन्द सन्नी शिवनगर गामक छथि आ नवतूरक सक्रिय रचनाकार छथि। हिनक कर्मक्षेत्र गामहि छनि । सोशल साइट आ पत्रिका सभमे बहुत रास बाल कविता प्रसारित-प्रकाशित। ई गीत सेहो खूब लिखै छथि आ ताहि लेल यशस्वी सेहो छथि। हिनक बहुतो गीतक रिकॉर्डिंग भए चुकल अछि। हिनक कृति सभ एहि तरहें अछि:–
प्रकाशित पोथी —
1) ओल कतरा झोल कतरा, बाल कविता संग्रह
प्रेसस्थ पोथी —
1) आम छू अमरोड़ा छू, मैथिली राइम्स
2) अमोला, मैथिली राइम्स

अशोक दत्त अधबारी चहुटाक छथि। ई मूलतः कविता लिखै छथि। एखन धरि हिनक एकटा कविता संग्रह प्रकाशित छनि : —
1) झिझिरकोना

अजय कुमार झा ‘तिरहुतिया’ खुटौना गामक छथि। हिनक कर्मक्षेत्र कोलकाता छनि। ई मैथिली आ हिंदीमे कविता, कथा आदि लिखैत छथि। हिनक किछु लेखन पाठ्य सामग्रीसँ संबंधित सेहो छनि। हिनक कृति सभ एहि तरहें अछि :–
प्रकाशित पोथी —
1) दर्पण द्वंद्व (हिंदी काव्य संग्रह)
2) छत्रपति शतक (हिंदी खंड काव्य)
प्रकाशनाधीन पोथी —
1) तिरहुतिया उवाच (मैथिली कथा संग्रह)
2) हमरा चाही क्रांति (मैथिली कविता संग्रह)
3) प्रेत का साया (हिंदी कहानी संग्रह)
प्रकाशित पाठ्य पुस्तक —
1) भारत का इतिहास : दृश्यावलोकन, कक्षा 10 हेतु प• बंगाल सरकार द्वारा अनुमोदित
2) यूरोप का इतिहास : दृश्यावलोकन, कक्षा 9 हेतु प• बंगाल सरकार द्वारा अनुमोदित
3) A New Approach to Higher Secondary Education (for class 12)
4) A New Approach to Madhyamik History

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (14)

Imageकमलेश प्रेमेन्द्र आहपुर, दामोदरपुर गामक छथि। गामहि पर रहि मैथिली साहित्यक विभिन्न विधामे रचनारत छथि। बाल साहित्य, कविता, उपन्यास, नाटक आदि हिनक प्रिय विधा छनि। ई हास्य कविता सेहो लिखै छथि। हिनक प्रकाशित कृति सभ एना अछि :–
1) सुपत बात, कविता संग्रह
2) पाथर सन करेज, उपन्यास
3) किरिया, बाल उपन्यास
अप्रकाशित कृति —
1) आदर्श ग्राम , नाटक, मंचित

Imageगुंजन श्री परजुआरि रामनगरक छथि। एखन हैदराबाद रहै छथि। ई मूलतः कवि छथि। मुदा गीत, गजल, कथा, समीक्षा, लघुकथा आदि सेहो नीक लिखै छथि। कहमुकरी लेखनमे तऽ ई विशिष्ट छथि। हिनक निम्न पोथी प्रकाशित छनि :–
1) तरहत्थी पर समय, कविता संग्रह
एकर अतिरिक्त हिनक लघुकथा सझिया संग्रहमे प्रकाशित छनि।

 

 

पारसनाथ मिश्र ‘अनिल’ जरैल गामक वासी छथि। वृत्तिक क्रममे देशक विभिन्न ठाम घूमैत सम्प्रति खरगपुर (प• बंगाल) मे रहैत छथि। ई कथा, कविता, नाटक, उपन्यास आदि लिखैत छथि। हिनक कृति सभ एहि तरहें अछि :–
प्रकाशित —
1) दकचल पन्ना, मैथिली कथा संग्रह
अप्रकाशित —
1) अनामिका, कथा संग्रह
2) भिखमंगनी, उपन्यास
3) घोंकल अछिञ्जल, उपन्यास
4) चौपाड़ि, कथा-संग्रह,
5) कविता-संग्रह
6) नवकी कनियाँ, नाटक मंचित आदि ।

 

अतुल कुमार ठाकुर बनकट्टा गामक छथि। ई अंग्रेजी लेखकक रूपें सुप्रतिष्ठित छथि। हिनक प्रकाशित कृति एना अछि :–
1) India Since 1947,
2) India Now and In Transition (editor)

 

रामकृष्ण परार्थी बिचखाना (एकतारा)क वासी छथि। रेलवे केर नोकरी करैत विभिन्न ठाम स्थानांतरित होइत रहै छथि। ई हिंदी ओ मैथिलीमे कथा, कविता, उपन्यास आदि लिखै छथि। हिनक प्रकाशित कृति एहि तरहें अछि :–
1) अहिंसात्मक प्रतिशोध, उपन्यास, हिंदी
2) कर्तव्य पथ, कविता संग्रह, हिंदी आदि।

 

रेवती रमण मिश्र जरैल गामक वासी छथि। हिनक एक मात्र पोथीक जंतब अछि :–
1) Migration of Rural Area, अंग्रेजी

सन्तोष झा जरैल गामक वासी छथि। ई मैथिली आ हिंदी मे कविता लिखै छथि। हिनक संकलन- संपादनमे एक गोट पोथी अछि :–
1) जरैलक इतिहास आ वंशावली
एहि संगहि “स्मारिका जरैल” केर तीन गोट अंक सेहो हिनका संपादनमे प्रकाशित भेल अछि।

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (15)

बेनीपट्टी प्रखंडमे बहुत रास एहन महत्वपूर्ण व्यक्ति सभ छथि जे विभिन्न विधामे लिखैत रहलाह, अधिकांश गोटे पत्र-पत्रिकामे छपैत सेहो रहलाह, मुदा हुनक पोथी प्रकाशित नहि अछि। एहन नाम बहुत रास अछि जाहिमे किछु प्रमुख लोकनिक चर्चा सेहो करय चाहब।

हिमाद्रि मिश्रा दामोदरपुरक पुतहु छथि। हिनक नैहर छनि कहुआ, बेनीपुर। हिनक कर्मक्षेत्र कोलकाता छनि। ई हिंदी ओ मैथिलीमे गीत, कविता, लघुकथा, संस्मरण आदि लिखै छथि। हिनक शीघ्र प्रकाश्य पोथी अछि :–
1) हिम-मंजरी, गीत ओ कविता संग्रह, मैथिली।

कुमारी अमृता चौधरी शिवनगरक पुतहु छथि। हिनकर मैथिली आलेख ओ समालोचना सभ विभिन्न पत्रिकादिमे प्रकाशित होइत रहलनि अछि। कथा सभ पर केंद्रित किछु समीक्षा आकाशवाणी दरभंगासँ प्रसारित भेल छनि। हिनक एकटा पोथी शीघ्र प्रकाशित भए रहल छनि :–
1) मैथिली कथा ओ नारी, समालोचना

मनोज कामत ब्रह्मपुरा गामक वासी छथि आ गामहि पर रहैत छथि। ई हास्य – व्यंग कविता, बाल कविता आदि लिखै छथि। हिनक निम्न पोथी सभ प्रकाशनाधीन छनि :–
1) व्यंग तरंग, व्यंग कविता, मैथिली
2) मैथिली माध्यमक अंग्रेजी ग्रामर।

कटैया गामक विनोद झा मुख्यतः कविता लिखैत रहलाह अछि। कथा आ काव्यगल्प सेहो लिखने छथि। मिथिला मिहिर सहित कइएक टा पत्रिका सभमे रचना सभ प्रकाशित होइत रहल छनि। कोनो संग्रह एखन धरि प्रकाशित नहि छनि।
हिनक अप्रकाशित पाण्डुलिपि :–
1–मेघदूतम, मैथिली काव्यानुवाद
2–गीता, मैथिली काव्यानुवाद
3–दुर्गा सप्तशती, मैथिली काव्यानुवाद आदि।

नागदह निवासी आ कोलकाता प्रवासी दयानाथ झा आलेख लिखैत रहलाह अछि। संप्रति ई हैदराबाद रहै छथि।

अमरनाथ झा डुमरा गामक छथि आ बैद्यनाथ बाबुक पुत्र छथिन। हिनक कर्मक्षेत्र सेहो मोजफ्फरपुरे छनि। संप्रति ई मिथिलामे व्यवहृत संस्कार पर काज कए रहल छथि। हिनक किछु मैथिली आलेख पत्रिका/स्मारिकामे प्रकाशित छनि।

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (16)

परजुआरि डीहक वासी आ कोलकाता प्रवासी गंगा झा कविता लिखैत रहल छथि मुदा संग्रह प्रकाशित नहि छनि। मैथिली मंचक प्रसिद्ध रंगकर्मी गंगा बाबू कतिपय नाटकक अनुवाद ओ कथाक नाट्य रूपान्तरण सेहो केने छथि। ई नाटक सभ सेहो अप्रकाशित किन्तु मंचित छनि :–
1) सभागाछी, हरिमोहन झाक ‘कन्यादान’क अंश पर केंद्रित नाटक
2) खोल, मूल– चेहरे, हिंदी, डाक्टर शंकर शेष
3) आन्हर आ हाथी, मूल– अंधों का हाथी, हिंदी, शरद जोशी
कुसमौल गामक वासी कोलकातामे रहैत नबोनारायण मिश्र कविता, आलेख आदि लिखैत छथि। हिनकर रचना सभ पत्रिका ओ स्मारिका आदिमे छपैत रहैत छनि।
अड़ेर गामक वासी आ दिल्ली प्रवासी कैलाश कुमार मिश्र समाज ओ संस्कृति केंद्रित विभिन्न विन्दु सभ पर सुन्दर आलेख लिखैत छथि। हिनक आलेख विभिन्न पत्र-पत्रिकामे छपैत छनि। ई अंग्रेजी, हिंदी आ मैथिलीमे लिखैत छथि।
आहपुर, दामोदरपुर गामक कमलानंद झा शास्त्री मैथिली, हिंदी ओ संस्कृतमे आलेख आ कविता लिखैत छथि । विभिन्न पत्र-पत्रिकामे बरमहल छपैत छथि।
शोभा झा दामोदरपुरक पुतहु छथि। हिनक पैतृक सतलखा छनि। ई विदुषी महिला छथि। भोगेन्द्र झा पर Ph D कएने छथि। बहुत रास कथा लिखने छथि। मिथिला मिहिरमे कथा सब प्रकाशित भेल छनि।
मायानंद झा ‘मैथिल’ आहपुर (दामोदरपुर)क छथि। ई कविता ओ लघुकथा लेखनमे बेस सक्रिय छथि।
पारस चौधरी दामोदरपुर गामक छथि। ई एकटा नाटक लिखने छथि जे अप्रकाशित किन्तु मंचित अछि :–
1) मुखिया जी
निगमानंद मिश्र सेहो दामोदरपुर गामक छथि। ई कविता आ नाटक लिखै छथि। एखन धरि हिनक कोनो पोथी प्रकाशित नै छनि। हिनक पाण्डुलिपि सभ एहि तरहें अछि :–
1) पाप और प्रायश्चित, नाटक, हिन्दी
2) दहेजक काया, नाटक, मैथिली, मंचित
3) ओवरटेक, कविता संग्रह, मैथिली
राजेश झा त्योंथ गामक छथि। नाट्यकार छथि। हिनक नाटक मंचित मुदा अप्रकाशित :–
1) दारू
धनौजा गामक वासी बोकारोमे रहैत अरुण कुमार पाठक मैथिली ओ हिंदीमे कविता, गीत एवं आलेख लिखैत छथि।
मैथिल विनय नवकरही गामक छथि। हिनक मूल नाम विनय कुमार झा छनि। हिनक कर्मक्षेत्र बोकारो छनि। ई कविता आ लघुकथा लिखैत छथि।
चतरा (पैतृक)क छथि जयन्ती कुमारी। मैथिली आ हिंदीमे खूब नीक कविता लिखैत छथि।
अखिलेश झा कटैया गामक छथि। ई कविता लिखै छथि। पत्र-पत्रिकादिमे प्रकाशित होइत छनि।
दामोदरपुरक गुणानंद झा मैथिली कविता लिखैत रहल छथि। कोनो संग्रह प्रकाशित नहि छनि। कचोटक बात ई जे हिनक बहुत रास रचना बाढ़िमे नष्ट भए गेल छनि।

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (17)

जगति गामक शिवनाथ चौधरी गामहि पर रहैत गीत खूब नीक लिखैत छथि। हिनक किछु गीतक रिकॉर्डिंग सेहो भेल अछि।
कमलेश मिश्र दामोदरपुरक निवासी छथि आ एखन मधुबनी रहै छथि। गीतकार छथि। एकटा नाटक ‘दू ठोप नोर’ (1983) लिखने छथि जे अनेक ठाम मंचित भेल अछि।
त्योँथ गामक कान्ता रॉय हिंदी आ मैथिलीमे लघुकथा लिखै छथि। ई सम्प्रति भोपाल रहै छथि। हिनक शीघ्र प्रकाश्य दुइ गोट पोथी :–
1) भारत की प्रतिनिधी महिला लघुकथाकार, संग संपादन, हिंदी आ
2) मैथिली बीहनि कथा (लघुकथाक संग्रह, पोथीक शीर्षक देब बाँकी छनि)
एही गामक वशिष्ठ कुमार झा, सागर झा ओ श्रीचंद कामत कविताक नीक रचना करैत छथि।
नवकरहीक रोहित यादव दिल्ली रहैत छलाह। संप्रति ई देहरादून रहैत कथा, कविता, आलेख आदि लिखैत छथि।
मुकेश झा बरहा गामक छथि। मैलोरंग पत्रिकाक सहसंपादक रहल छथि। हिनक मैथिली आलेखादि पत्रिका सभमे प्रकाशित होइत रहै छनि।
नागदह गामक शशि भूषण झा मोहाली रहैत छथि। हिनकर संस्मरण सब लिखल छनि।
जगति गामक ऋषिकेश झा अंग्रेजी, हिंदी आ मैथिलीमे कविता लिखै छथि।
आलोक झा दामोदरपुरक वासी छथि। ई नाटक लिखने छथि जे अप्रकाशित किन्तु मंचित छनि :–
1) स्वर्ग मे इन्द्रा आवास
2) गरीबक सपना
3) महिषासुर बध
जरैलमे इन्दुमति झा, पूनम झा, रिंकी झा, कंचन पाठक, प्रीति झा (नैहर महमदपुर), संजीव कुमार मिश्र, दीपक कुमार झा, रंजीत झा रमण आदिक कविता तथा पिंटू मेहता ओ कुमार चंद्र झाक विविध रचना प्रकाशमे आएल अछि।
बलिया (तीसी बलिया)क वैद्य गणपति नाथ झा प्रसिद्ध मैथिलीसेवी छथि । हिनक किछु आलेख पत्रिका, अभिनंदन ग्रंथ आदिमे प्रकाशित छनि । हिनक किछु आलेख पशुपतिनाथ झाक नामे सेहो छनि ।
आहपुर-दामोदरपुरक छलाह दुर्गानन्द झा। बहुत रास महत्वपूर्ण लेख हिनकर अप्रकाशित अछि। प्रमुख लेख कालिदासक जन्मस्थानक बारेमे छनि जकरा 60-65 वर्ष पूर्व कालिदास समारोह उच्चैठमे प्रस्तुत कयने छलाह। ई आलेख ओहि समयमे बहुत चर्चित भेल छलनि।
प्रफुल्ल कुमार ठाकुर सेहो दामोदरपुरक छथि। हिनक आलेखादि पत्रिका सभमे छपल छनि।

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (18)

गणेश चन्द्र झा अड़ेर गामक वासी छ्लाह आ गामहि पर रहैत छलाह। हुनक एगो पोथीक प्रकाशनक जंतब भेटैत अछि :–
1) झूला गीत, मैथिली।

अमरनाथ झा गम्हरिया गामक छथि। हिनक कर्मभूमि कोलकाता, धनबाद, पुरी आदि रहल छनि। ई मुख्यतः हिंदी आ अंग्रेजीमे श्रम आ श्रमिक संदर्भित आलेख लिखैत रहलाह अछि। मैथिलीमे संकलन, संपादन ओ अनुवादमे ई विशिष्ट काज सभ केने छथि। हिनक प्रकाशित कृति एना अछि :–
1) विद्यापति गीत रत्नाकर, मैथिली, संपादन
2) जगदीश मोहन्तीक श्रेष्ठ कथासंग्रह , ओड़ियासँ मैथिली अनुवाद
3) मैथिली कथा शताब्दी संचय , मैथिलीसँ बँगला अनुवाद
पत्रिकाक संपादन :–
1) खान मजदूर, हिंदी साप्ताहिक
2) श्रम प्रतिष्ठा, हिंदी पाक्षिक
3) Mine and Metal Worker, English Fortnightly
अप्रकाशित पाण्डुलिपि :–
1) ज्ञानदास पदावली, मैथिली
2) मैथिली पदावली संग्रह (विद्यापति, गोविन्ददास, जयन्तदास आदिकेँ छोड़ि आन उनैस-बीस टा मध्यकालीन कविक पदावली)
3) गोविंददास पदावली आदि।

प्रीति झाक पैतृक बसैठ छनि। हिनक एगो पुस्तक प्रकाशित छनि :–
1) मैथिली उपन्यासमे नारी विमर्श, आलोचना, मैथिली

आभा झा डुमरा गामक पुतहु छथि। दिल्ली रहै छथि। पैतृक छनि हरिपुर बख्शी टोल। मैथिली ओ हिंदीमे कविता लिखै छथि। कविताक प्रभावशाली सस्वर पाठ करैत छथि। हिनक एगो मैथिली कविता संग्रह प्रकाशित छनि :–
1) प्रथम परिणय

सविता झा सोनीक पैतृक अड़ेर आ सासुर जरैल छनि। ई दिल्लीमे रहैत हिन्दी आ मैथिलीमे कविता ओ गीत लिखैत छथि। हिनक एगो कविता संग्रह मैथिलीमे प्रकाशित भेल छनि :–
1) स्त्रीक अकाश

दामोदरपुरक सत्यानंद मिश्र IGNOU केर पाठ्यक्रम पर आधारित कतिपय सहायक पोथी अंग्रेजीमे लिखने छथि। हिनक ई प्रकाशित पोथी सभ एहि तरहें अछि :–
1) Elementary Mechanics, Physics (B. Sc. Level)
2) Oscillations & Waves, Physics, (B. Sc. Level)
3) Sollution Bank (All Subjects combined for Graduation, P.G., Management, Teachers’ Training etc

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (19)

हरिहर झा डुमरा (चतरा) गामक छथि। हिनक कर्मक्षेत्र वाराणसी, तिरुपति, दिल्ली, प्रयाग, पुरी, दरिभंगा आदि रहल छनि। ई संस्कृतक निष्णात विद्वान छथि। हिनक प्रकाशित कृति एहि तरहें अछि :–
1) संस्कृत प्रवेशिका (2 भाग)
2) व्यवहार विज्ञानम् (2भाग)
3) अभिलेखमाला (हिंदी व्याख्या)
4) उत्कीर्णलेखपञ्चकम् (हिंदी व्याख्या)
5) गद्यलहरी (2 भाग)
6) कादम्बरी शुकनासोपदेश व्याख्या
7) नाट्यशास्त्र
8) हर्षचरितव्याख्या
संपादन —
1) शिक्षा ज्योति, पत्रिका

कमलाकांत भंडारी सिनुआरा, अड़ेर केर वासी छथि। हिनक कर्मक्षेत्र पटना रहल छनि। सम्प्रति गामहि रहै छथि। कबीर दास पर सुभद्र बाबुक अधीन शोध केने छथि। हिनक प्रकाशित कृति एना अछि :–
1) सन्त कबीरक मैथिली पदावली
संग संपादन —
2) मैथिली गद्य-पद्य संग्रह, पाठ्यपुस्तक, इंटरमीडिएट स्तर
3) माधव देव, जीवनी, असमियासँ मैथिली अनुवाद
एकरा अतिरिक्त राज्य शैक्षणिक अनुसंधान ओ प्रशिक्षण परिषद द्वारा बिहार टैक्स्ट बुक हेतु विकसित मैथिली पाठ्यक्रम एवं बि• मु• वि• शि• एवं परीक्षा बोर्डक मैथिली पाठ्यक्रमसँ सेहो जुड़ल रहल छथि। हिनक आलेख आदि विभिन्न पत्रिका ओ स्मारिका सभमे छिड़ियाएल छनि।

गम्हरिया गामक छथि यशस्वी पत्रकार सुनील सौरभ (सुनील झा) । ई ‘मिथिला दर्पण’ नामक एकटा मासिक मैथिली पत्रिका पटना सँ 1995-96 मे बहार कएलनि। एकर तीन टा अंक बहार भऽ सकल। ओहि समयमे प्रतियोगी परीक्षाक लेल मैथिली पत्रिका बहार करब एकदम अभिनव बात रहए। ” हिन्दुस्तान “मे हुनक कॉलम “कैरियर काँउसलिंग” बेस चर्चित छल। हिंदीमे सेहो प्रतियोगिता परीक्षा सभक परीक्षार्थीक लेल पत्रिका प्रकाशित करैत छलाह। हिनक आलेख सभ मिथिला मिहिर, मिथिला दर्पण आदि पत्रिका सभमे प्रकाशित भेल छनि। वर्तमानमे हिनक कर्मक्षेत्र दिल्ली छनि।

संतोष झा दामोदरपुर गामक छथि। संप्रति फारबिसगंज रहै छथि। हुनकर निम्नलिखित दूटा पोथीक पांडुलिपि अप्रकाशित छनि :–
1) आउ मैथिली गणित सीखू
2) मिथिलाक्षर गंगा मैथिली बालपोथी आदि।

अमित भारद्वाज (अमित झा) नागदह गामक वासी छथि। सम्प्रति दिल्लीमे अध्ययनरत छथि। ई मैथिली आ हिंदीमे कविता लिखै छथि। कानूनक ई विद्यार्थी रंगकर्मसँ सेहो बेस सक्रियताक संग जुड़ल छथि। लॉ जर्नलमे सेहो छपैत रहैत छथि। मैथिली आ हिंदीसँ अंग्रेजीमे दक्षतापूर्वक अनुवाद करै छथि। हिनक एगो पोथी शीघ्र प्रकाश्य अछि —
1) संविधानक दकचल पन्ना, कविता संग्रह, मैथिली
सहसंपादक —
1) अनुप्रास, मैथिली पत्रिका

सत्यजीत रॉय त्योंथ केर वासी छथि। हिनक कर्मक्षेत्र भोपाल छनि। ई हिन्दी लघुकथा लिखै छथि।

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (20)

हीरा मिश्र पौना गामक वासी छलाह। मिथिला मिहिर ओ आन पत्रिका सभमे हिनक तीन सोड़हिसँ बेसी निबंध प्रकाशित भेल छनि। किन्तु कोनो पोथी प्रकाशित नहि छनि।

लेखनाथ मिश्रक गाम छनि पौना। हिनक कर्मक्षेत्र पटना रहल छनि। ई निबंध आदि लिखैत रहल छथि। उपन्यास सेहो लिखने छथि। हिनकर प्रकाशित कृति सभ एहि तरहें अछि :–
मौलिक कृति —
1) मैथिली नाटकक उद्भव आओर विकास,
2) रंजना, उपन्यास, मैथिली
संपादित कृति —
1) प्रभावती हरण, नाटक, जगतप्रकाश मल्ल
2) जगज्ज्योतिर्मल्ल पदावली
अनूदित कृति —
1) शंकरदेव, जीवनी, मूल असमिया, लक्ष्मीनाथ बेजबरुआ
शीघ्र प्रकाश्य —
1) निबंध संकलन

विद्यानंद झा बिसनपुर, अड़ेर केर वासी छथि। राज्य सरकारक अधिकारीक रूपमे विभिन्न ठाम विभिन्न पद पर रहि अवकाश पओने छथि। संस्कृत, मैथिली ओ हिन्दीक विद्वान विद्या बाबू बहुत रास पोथीक रचना मैथिली ओ हिंदीमे केने छथि। हिनक प्रकाशित पोथी सभ एहि तरहें अछि :–
1) गायत्री तत्त्व प्रकाश, हिंदी
2) सिद्धपीठ भदुली भद्रकाली, हिंदी
3) कपिलमुनि आ हुनक दर्शन, मैथिली
4) भारत का संविधान : एक विश्लेषण, हिंदी
5) मिथिला सरोज रत्नावली, हिंदी
6) ममता गाबय मिथिलाक गीत, मैथिली
7) सांख्य दर्शन कौमुदी, हिंदी
8) नवग्रहमहात्म्य एवं ग्रहशान्ति, हिंदी
9) प्राचीन भारत की आदर्श नारियाँ, हिंदी
10) आधुनिक भारत की विशिष्ट नारियाँ, हिंदी
11) भारतरत्न से अलंकृत विभूतियाँ, हिंदी
12) परमवीरचक्र शौर्य की अनुपम गाथा, हिंदी
13) शौर्य साहस का प्रतीक महावीर चक्र, हिंदी आदि।

हिनका सभक अतिरिक्त गोपीनीथ झा ‘रमण’ (पौना), स्व• युगेश्वर झा (ढंगा), हरिश्चंद्र झा ‘हरीश’ ओ गणेशचन्द्र झा (दुनू गोटे त्योँथ गामक) आदि रचनाकारक नाम सेहो अबैयए। मुदा हिनका सभक मादें हम कोनो जंतब एखन धरि एकत्र नहि कऽ सकलहुँ, यदि भेटत तऽ पुन: जोड़ब।

पूर्वक पोस्ट सभमे आएल बेनीपट्टी प्रखंडक किछु रचनाकार लोकनिक पोथी जे बादमे प्रकाशित भेल अछि किंवा जंतबे बादमे भेटल तिनकर उल्लेख सेहो आवश्यक :–
1) सुभद्र झा, संपादन
सर्वदेशवृत्तांतसंग्रह, मूल — अकबरनामा, फारसीक संस्कृत अनुवाद, म• म• महेश ठाकुर

2) रवींद्र नारायाण मिश्र जीक पोथी सभ —
I ) समाधान , निबंध संग्रह
II ) मातृभूमि, उपन्यास
III) न्याय की गुहार, हिंदी, उपन्यास
IV) स्वप्नलोक , मैथिली , उपन्यास
V) शंखनाद, उपन्यास, मैथिली

3) रामकृष्ण परार्थी , विध्वंशक विरोधमे, कविता संग्रह

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (21)

हरिश्चंद्र झा हरीश त्योँथ गामक छलाह। मधुबनीमे रहि ओकालति करैत छलाह। कला-संस्कृति ओ मातृभाषानुरागी रहथि। मैथिली पत्रिका ‘पल्लव’ (मधुबनी)क ई प्रबंध संपादक छलाह। ज्ञातव्य जे पल्लव’ 1948 अगस्तमे नेहरासँ अमरनाथ चौधरी दीपक केर संपादनमे पहिल बेर प्रकाशित भेल। तत्पश्चात दरभंगासँ शैलेंद्र मोहन झाक संपादनमे पल्लव-1 बहार भेल मुदा ओहिमे अवधिक उल्लेख नहि रहै। पुन: जून 1957 मे मधुबनीसँ मासिक रूपें प्रकाशित होमय लागल जकर संपादक शैलेंद्र मोहन झा ओ अमरनाथ चौधरी दीपक तथा प्रबंध संपादक हरिश्चंद्र झा हरीश रहथि। ई मार्च 1958 धरि मासिक रूपें प्रकाशित होइत रहल।
हिनक प्रकाशित कृति :–
1) छींक, प्रहसन (एकर संस्कृत अनुवाद सेहो भेल अछि पण्डित शशिनाथ झा द्वारा)।
2) अवतार , कृष्णलीला पर आधारित नाटक
3) समस्या, कन्यादानक समस्या पर आधारित नाटक
अप्रकाशित कृति —
4) गेना काका, प्रहसन आ
5) उगना , नाटक। एहि पर आधारित 13 एपिसोडक हिंदी धारावाहिक ‘विद्यापति’ 1993 मे प्रसारित भेल अछि। निर्माता निर्देशक त्रिदीप कुमार (भवनाथ झा)।

गणेश चंद्र झा त्योँथ गामक छलाह आ हरीश जीक सहोदर रहथि। ई प्रसिद्ध स्वाधीनता सेनानी रहथि। हिनक दुइ गोट उपन्यास प्रकाशित छनि :–
1) कृष्णक हत्या : 1957
2) रत्नहार :1957, मैथिलीक पहिल जासूसी
उपन्यास

#बेनीपट्टी परिसरक लेखन (22)

एखन धरि बिसफी आ बेनीपट्टी प्रखंडक चर्चा कएल। आइ मधवापुर प्रखंड। मुदा अपना सक्क भरि चेष्टा कएलाक बादो एखन धरि हमरा मात्र दुइ टा रचनाकार अभरलाह। किनको लग आओर सूचना होमय तऽ उपलब्ध करेबाक कष्ट करी।

शोभाकांत झा डुमरा (पोखरौनी लग) गामक वासी छथि। हिनक कर्मक्षेत्र रायपुर (छत्तीसगढ़) छनि। ई हिंदी ओ मैथिलीमे समीक्षा, आलेख, बालसाहित्य, कथा, कविता, गीत आदि लिखैत रहलाह अछि आ पत्रिका सभमे छपैत रहलाह अछि। हिनक प्रकाशित पोथी सभ एहि तरहें अछि :–
हिंदी पोथी —
1) स्मृति गन्ध (ललित निबंध)
2) मन न भए दस बीस
3) रावण रथी विरथ रघुवीरा
4) माया महाठगनी हम जानी (कहानी)
5) समूचे के कवि तुलसीदास
6) लिखने का मतलब
7) कृष्ण चरित का समूचापन
8) अमृत मंथन
9) काव्य सौंदर्य एवं काव्य समीक्षाएँ
10) जो कछु करूँ सो पूजा
11) गीत अगीत (कविता)
12) दृष्टि और सृष्टि
13) चिन्तन के विविध प्रसंग
14) लोक मंगल के कवि तुलसीदास
15) भजन संग्रह
बाल साहित्य —
1) भारत को हमने देखा है
2) बाल रंगोली
3) लहर लहर लहराए तिरंगा
4) वन्दना के इन सुरों में
मैथिली पोथी —
1) गणदेवता कवि विद्यापति
2) राजा जनक के बाग मे, भाग -1
3) राजा जनक के बाग मे, भाग -2
4) सदिखन कान्हा गाबय
5) भज गोविन्दम
6) चैत चुराबय चित चैन (लोकगीत)
7) गिरिजा पूजन चलली किशोरी
8) भजन गंगा
9) छुम छुम नाचय भगत हनुमाना
10) चूड़ा दही चिन्नी अचार (नाट्य संकलन)
11) बहुवचन (ललित निबंध)
संस्कृत —
1) सत्यनारायण व्रत कथा
पत्रिका संपादन :–
1) लोकमंगल साहित्य, हिंदी अनियतकालीन
2) मिथिलायतन, मैथिली वार्षिक आदि।

सोनी नीलू झाक गाम अबारी छनि। ई मैथिली आ हिंदीमे कविता, गीत आदि लिखै छथि आ पत्रिका सभमे छपै छथि। एखन धरि पोथी नहि आएल छनि।

——- क्रमशः

 

 

मिथिलेश कुमार झा
जगत, बेनीपट्टी
वर्तमान : कलकत्ता
E-mail : mithileshjha1970@gmail.com

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *