Corona Warriors Of Mithila ::नूतन अगरबत्ती

ImageCorona Warriors Of Mithila सिरीज़ में मैथिल मंच अहाँक परिचय कराबय चाहैत अछि मिथिला के ऐहन युवा सबसँ जे संसाधन के अनुपलब्धता, आधारहीन सिस्टम के बावजूद “चाईनीज़ वायरस-कोरोना” सँ खतरा के अनुभव करैत अपन गाम अपन क्षेत्र में सबटा सरकारी आदेशक पालन करैत उपलब्ध साधन संग एहि लड़ाई के जीतय में अपन योगदान देलथि……..

 

 

Image

कोरोना वारियर्स आफ मिथिला के सिरीज में आई मैथिल मंच अहाँ के परिचय कराबय चाहय छी एकटा प्रतिष्ठान नूतन अगरबत्ती
प्रिय मित्र #शैलेष_झा के प्रतिष्ठान नूतन अगरबत्ती के तरफ सँ एहि लाकडाउन में सतत गरीब, नि:सहाय, जरूरतमंद लोक के मदद कय रहल छथि।
शैलेष जी मंच के सक्रिय सदस्य संग मिशन मिथिला 2020 टीम सँ छथि जे अपन सुरक्षित नोकरी छोड़ि अपन गाम आबि अपन प्रतिष्ठान प्रारंभ कयलथि संगहि अपन सॉफ्टवेयर कंपनी सेहो चलाबय छथि।
समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ अनुज शैलेष झा आ हिनक समस्त टीम संग हमर सबहक प्रतिष्ठान नूतन अगरबत्ती के अभिनन्दन आ वंदन।

“मैथिल मंच” अघोषित आपदाक एहि समय में लोकक सहयोग लेल हिनक अभिनन्दन करैत अछि।

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *