प्रो. दिनेश्वर झा ‘दीन’ के असामयिक निधन सँ विद्यापति सेवा संस्थान में शोकक लहर

Image

प्रो दिनेश्वर झा ‘दीन’ के असामयिक निधन सँ विद्यापति सेवा संस्थान में शोकक लहर

दरभंगा । प्रतिनिधि

मैथिली के मूर्धन्य विद्वान आ मारवाड़ी महाविद्यालय क पूर्व मैथिली विभागाध्यक्ष प्रो. दिनेश्वर झा ‘दीन’ केँ असामयिक निधन पर विद्यापति सेवा संस्थान शोक संवेदना व्यक्त कयलक अछि। बुध दिन संस्थानक तरफ सँ जारी विज्ञप्ति में वयोवृद्ध साहित्यकार एवं विद्यापति सेवा संस्थान के अध्यक्ष पं चंद्रनाथ मिश्र ‘अमर’ कहलथि कि हिनक असामयिक निधन सँ मिथिला-मैथिली के विकासक एकटा सशक्त हित चिंतक हमरासबसँ अलग भय गेल। संस्थान के महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’ कहलथि कि मिथिला-मैथिली आंदोलन सबकेँ एकटा क्रांतिकारी अभियानी के संग-संग मिथिलाक शिक्षा व्यवस्था के पटरी पर अनबा में देल अपन योगदान सबलेल ओ हमेशा याद कयल जेताह। मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं. कमलाकांत झा कहलथि कि हुनक असामयिक निधन सँ ‘मैथिली क्रांति दूत’ के एकटा सशक्त अभियानी हमरा सबसँ सदा के लेल छिना गेलाह । विद्यापति सेवा संस्थानक कार्यकारी अध्यक्ष एवं वरिष्ठ साहित्यकार डॉ बुचरू पासवान हुनका मिथिला-मैथिली के विकास के प्रबल पैरोकार कहलथि। सचिव प्रो. जीवकांत मिश्र हुनका मिथिला-मैथिली के विकासक वास्तविक हितैषी कहलथि। मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झा कहलथि कि ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के विकास पदाधिकारी के रूप में देल योगदान सबलेल ओ हमेशा याद कयल जेताह। हुनका प्रति शोक संवेदना व्यक्त करय में आन विशिष्ट जन में डॉ महेन्द्र नारायण राम, विनोद कुमार झा, विजय कांत झा, प्रो चन्द्र शेखर जा ‘बूढ़ा भाई’, आशीष कुमार चौधरी, प्रो चंद्र मोहन झा ‘पड़वा’, डॉ गणेश कांत झा आदि शामिल छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *