मोदी जी के नेतृत्व में भय रहल अछि दरभंगा के नव निर्माण: राहुल झा

मोदी जी के नेतृत्व में भय रहल अछि दरभंगा के नव निर्माण: राहुल झा

आई भारतीय जनता युवा मोर्चा दरभंगा जिला के तरफसँ दरभंगा नगर वार्ड 12 में युवा चौपाल कार्यक्रमक शुरुआत कयल गेल। ई युवा चौपाल कार्यक्रम जिलाकेर सब शक्तिकेंद्र पर युवा मोर्चा द्वारा आयोजित कयल जायत। चौपाल के माध्यम सँ वक्तालोकनि मोदी सरकार के काजसबहक विवरण आ उपलब्धि जनता के बीच रखलथि आ कालि अलीनगर विधानसभा के शिव नगर घाट में देश के रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह जी के आगमन पर हुनक जनसभा में शामिल होबाक लेल अपील कयलथि।
आई आयकर चौराहाक निकट सर्वे आफिसक सामने स्थित परिसर में युवा चौपाल कार्यक्रम के संबोधित करैत मुख्य अतिथि के रूप में पहुंचल युवा मोर्चा के प्रदेश उपाध्यक्ष आ दरभंगा के प्रभारी राहुल झा कहलथि कि नरेंद्र मोदी जी के नेतृत्व में दरभंगा के नवनिर्माण भय रहल अछि। पहले एतयसँ उड़ान योजना के अंतर्गत एयरपोर्ट फेर एम्स के स्वीकृति, दरभंगा स्टेशन के विश्व स्तरीय स्टेशन के रूप में स्वीकृति आ कालि पांच रेलवे ओवरब्रिज के शिलान्यास मोदी जी वर्चुअल माध्यम सँ कयलथि। हरेक मासमे मोदी जी के कार्यकाल में दरभंगा में विकास केर नव रफ्तार भेटि रहल अछि।
Image
चौपाल के संबोधित करैत युवा मोर्चा के जिलाध्यक्ष बालेन्दु झा कहलथि नरेंद्र मोदी जी के नेतृत्व में दरभंगा हवाई कनेक्टिविटी होई, रेल कनेक्टिविटी होई, सड़क कनेक्टिविटी होई या फेर स्वास्थ्य सेवा में एम्स जेहन व्यवस्था या आईटी पार्क निर्माण सँ रोजगार के अवसर सृजन संग सब क्षेत्र में नरेंद्र मोदी जी के नेतृत्व में दरभंगा विकास के नव आयाम गढ़ि रहल अछि।
जिला कोषाध्यक्ष अमित प्रसाद आ स्थानीय पार्षद जिला उपाध्यक्ष मुकेश महासेठ केर संयोजन में आयोजित कार्यक्रम में कार्यक्रम के प्रभारी जिला उपाध्यक्ष मचकुंद झा जिला महामंत्री रवि प्रकाश झा उपाध्यक्ष सूरज चौधरी विद्या यादव मीडिया प्रभारी मणि भूषण राजू कार्यक्रम के सह प्रभारी कुंदन मिश्रा सरल ऐप के प्रभारी कुंदन सिंह जिला प्रवक्ता जितेंद्र मिश्रा नितिन झा विकास साहु पवन कुमार आदि उपस्थित छलथि। कार्यक्रम के संचालन जिला प्रवक्ता शशि भूषण चौधरी कयलथि आ धन्यवाद ज्ञापन युवा मोर्चा के नगर महामंत्री सुमन सौरभ द्वारा कयल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *