मोदी जी के नेतृत्व में दरभंगा के भेटल अछि विकास केर नव उङान – भारतेन्दु मिश्रा

मोदी जी के नेतृत्व में दरभंगा के भेटल अछि विकास केर नव उङान – भारतेन्दु मिश्रा

आई भारतीय जनता युवा मोर्चा के प्रदेश अध्यक्ष भारतेंदु मिश्र के नमो युवा चौपाल कार्यक्रम के निमित्त दरभंगा आगमन भेलन्हि। युवा मोर्चा जिला अध्यक्ष बालेंदु झा के नेतृत्व में बिजुली में एन एच 57 पर हुनक भव्य स्वागत कयल गेल। ओहिकेर बाद ओ जिला पदाधिकारीलोकनि संग बैठक कयलथि। तत्पश्चात दरभंगा सदर मंडल के रानीपुर पंचायत में युवा मोर्चा के जिला प्रवक्ता शशि भूषण चौधरी ‘नेहरूजी’ के आवासीय परिसर में नमो युवा चौपाल कार्यक्रम के संबोधित कयलथि।
युवा चौपाल कार्यक्रम में पहुंचला पर प्रदेश अध्यक्ष के मिथिलाक परंपरानुसार पाग-चादर आ मिथिला पेंटिंग सँ जिला अध्यक्ष अभिवादन कयलथि।
नमो युवा चौपाल में उपस्थित जनसमूह के संबोधित करैत प्रदेश अध्यक्ष भारतेंदु मिश्र कहलथि कि हमसब ओहि पंचायत में एखन कार्यक्रम कय रहल छी जहि पंचायत के प्रधानमंत्री मोदी जी दरभंगा हवाई अड्डा सँ हवाई सेवा प्रारंभ कराबय के काज कयलथि। अमृत भारत योजना सँ विश्व स्तरीय स्टेशन में दरभंगा स्टेशन केर स्वीकृति हो या सब रेलवे ओवरब्रिज के स्वीकृति, दरभंगा स्टेशन के कायाकल्प हो या कि विस्तार ,स्वास्थ्य के क्षेत्र में एम्स के स्वीकृति हो या विभिन्न परियोजना सबमे में सड़क और पुल पुलियों के जाल बिछेनाई, सब क्षेत्र में मोदी जी के नेतृत्व में दरभंगा के विकास के एकटा नव उड़ान भेटल अछि।
कार्यक्रम युवा मोर्चा के प्रदेश उपाध्यक्ष राहुल झा, प्रदेश प्रवक्ता राजेश यादव, सदर मंडल अध्यक्ष ब्रह्मानंद यादव, जिला महामंत्री गजेंद्र मंडल, जिला उपाध्यक्ष कार्यक्रम प्रभारी विद्यासागर यादव सेहो संबोधित कयलथि। कार्यक्रम के अध्यक्षता युवा मोर्चा जिला अध्यक्ष बालेंदु झा आ संचालन जिला महामंत्री रवि प्रकाश झा कयलथि।
Image
युवा मोर्चा के जिला उपाध्यक्ष पुरुषोत्तम झा सूरज चौधरी जिला मंत्री रवि चंद्रवंशी राजकुमार पासवान जिला प्रवक्ता नितिन झा अंकित चौधरी जितेंद्र मिश्रा, मीडिया प्रभारी मणि भूषण ‘राजू’, कुंदन मिश्रा, सुधा नंदन झा विकास कुमार साहू, मंडल अध्यक्ष सदर प्रमुख उदय सहनी, रोशन चौधरी पिंटू भंडारी सौरभ राहुल संजीत कुमार आयुष यादव आशीष कुमार दीपक चौधरी आदि कार्यकर्ता उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *