आशा कें इंद्रधनुषी रंग प्रदान करैछ वसंतोत्सव: कुलपति

आशा कें इंद्रधनुषी रंग प्रदान करैछ वसंतोत्सव: कुलपति
—+++
विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधान मे भेल वसंतोत्सव-सह-कुलपति केर अभिनंदनक भव्य आयोजन
———–
वसंत ऋतु हमरा मनक उल्लास अछि। ई सबहक भीतर केर आशा कें इंद्रधनुषी रंग प्रदान करैछ। वसंतोत्सव सन आयोजन शिक्षाक संग-संग कला एवं सांस्कृतिक विकास मे सहायक होइत अछि। ई बात ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी सोमदिन विद्यापति सेवा संस्थानक तत्वावधान मे आयोजित वसंतोत्सव संग हुनक अभिनंदन कार्यक्रम मे कहलनि। ओ कहलनि जे एखन धरिक अपन संक्षिप्त कार्यकाल मे ओ महसूस कयलनि अछि जे ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे विकासक असीमित संभावना उपलब्ध अछि। बस जरूरत एहि बातक अछि जे हमसभ स्वयं केर प्रतिभाक आत्मावलोकन करैत पूर्ण ईमानदारीक संग एहि गौरवशाली शिक्षा मंदिर केर विकासक लेल कार्य संस्कृति मे अपेक्षित सुधार करबा लेल कृत संकल्प होई। ओ कहलनि जे विश्वविद्यालय मे ओ न्याय आ नियम-परिनियम केर दायरामे रहि छात्र, शिक्षक आ कर्मचारी सभक हित साधय चाहैत छथि। मुदा एहि लेल थोड़े धैर्य धारण करब आ समयक जरूरत आवश्यक अछि। कुलपति अपन संबोधन मे विश्वविद्यालयक प्रति निराशावादी सोच रखनिहार लोक कें खास सलाह दैत कहलनि जे एहन कोनो धारणा बनेबा सँ पहिले ओ कम सँ कम अपन पड़ोसी विश्वविद्यालयक तुलनात्मक अवलोकन जरूर करथि, फेर अपन सोच केर समीक्षा कऽ कोनो प्रकारक धारणा बनाबथि।
दरभंगाक हृदय स्थली पर अवस्थित एमएलएसएम कॉलेजक सभागार मे आयोजित कार्यक्रमक अध्यक्षता संस्थानक अध्यक्ष सह कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक पूर्व कुलपति प्रो शशिनाथ झा कयलनि। महाविद्यालयक छात्रा द्वय प्रतिभा आ रत्न प्रिया द्वारा प्रस्तुत कवि कोकिल विद्यापति रचित गोसाउनि गीत ‘जय जय भैरवि…’ सँ प्रारंभ भेल कार्यक्रमक विधिवत शुभारंभ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी, संस्थानक अध्यक्ष प्रो शशिनाथ झा, पूर्व विधान पार्षद प्रो दिलीप कुमार चौधरी, मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा, सिंडिकेट सदस्य डा हरिनारायण सिंह, ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक वरिष्ठ डीन डा अशोक कुमार बच्चन, एमएलएसएम कॉलेजक प्रधानाचार्य डा शंभु कुमार यादव, एसप्रारे टेक्नोलॉजी, बंगलुरू केर निदेशक विकास कुमार, भौतिकी विभागाध्यक्ष प्रो अजीत कुमार चौधरी एवं विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू संग मिलि दीप प्रज्ज्वलित कऽ कयलनि।
एमएलएसएम काॅलेजक भौतिकी विभागाध्यक्ष प्रो अजीत कुमार चौधरी आ संस्थानक मीडिया संयोजक प्रवीण कुमार झाक संयुक्त संचालन मे आयोजित कार्यक्रम मे होली गीतोंक सुरमयी लहरी बीच कुलपतिक अभिनंदन मे शुभकामनाक स्वर खूब फूटल। मौका पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति केर उपलब्धि पूर्ण सवा महीने पूरा होयबाक अवसर पर संस्थान परिवार दिस सँ हुनक भावभरल भव्य अभिनंदन कयल गेल। अभिनंदन पत्र केर सस्वर वाचन डा मित्रनाथ झा कयलनि।
एहि सँ पहिले स्वागत संबोधन मे संस्थानक महासचिव डा बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे वसंतोत्सव ढ़ाई आखर प्रेम केर प्रतीक अछि आ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक यशस्वी कुलपतिक सवा महीनाक उपलब्धिपूर्ण कार्यकाल लेल अभिनंदन सँ आओर मीठ भऽ गेल अछि। ओ कहलनि जे हुनका कार्यकाल मे विश्वविद्यालयक उत्तरोत्तर चतुर्दिक विकास भऽ रहल अछि। ओ कुलपतिक कार्यकालक पहले सवा मासक उपलब्धिक चर्चा करैत बतोलनि जे जे ओ अपन पदभार सम्हारिते मिथिलाक महान विभूति क्रमशः कवि कोकिल विद्यापति, मंडन मिश्र, अयाची मिश्र, लक्ष्मीनाथ गोसाई, राष्ट्रकवि रामधारी सिंह दिनकर, जननायक कर्पूरी ठाकुर, अमर शहीद ललित नारायण मिश्र, बाबा नागार्जुन आदि केर नाम पर विश्वविद्यालयक विभिन्न विभागमे चेयर स्थापना एवं एकर समुचित क्रियान्वयन लेल विश्वविद्यालयक बजट मे प्रावधान कयल जयबा मे जे तत्परता देखौलनि अछि ई नहि केवल प्रसन्नताक विषय अछि, अपितु एहिसँ आम मिथिलावासी मे उमंग आ उत्साहक अनुपम संचार भेल अछि।
ओ कहलनि जे एकरा अतिरिक्त हुनक नेतृत्व मे विश्वविद्यालय मे कामकाजक वासंती माहौल कायम करबा मे देखा रहल सक्रियता सेहो खूब अहम अछि। आइ हुनक कुशल नेतृत्व मे विश्वविद्यालयक कार्य संस्कृति मे आयल तत्परताक परिणाम अछि जे एक मासक छोटी सन अवधि मे विश्वविद्यालय मे चारू दिस उमंग, उत्साह आ विश्वासक वातावरण खूब द्रूतगति सँ कायम भेल अछि। जतय पदभार ग्रहण करिते कुलपति शिक्षक एवं कर्मचारी लोकनिक प्रोन्नति मे खूब तत्परता दिखोलनि अछि ओतहि वेतन आ पेंशन सहित अतिथि शिक्षक लोकनिक मानदेय भुगतान कें ओ अपन कार्य सूची मे सबसँ ऊपर रखने छथि। एकरा संगहि विश्वविद्यालयक हेल्थ सेंटर केर जरूरत कें ध्यान मे रखैत एकर पुनरूद्धार लेल संकल्पित होयब, ऐतिहासिक महत्व कें देखैत विश्वविद्यालय परिसरक समुचित रख-रखाव मे तत्परता देखायब, दूरस्थ शिक्षा निदेशालय केर सुदृढ़ीकरण सहित खेल निदेशालय ओ अंतरराष्ट्रीय स्टेडियम केर स्थापना मे अभूतपूर्व दिलचस्पी देखायब, खेल प्राधिकरण केर गठन आदि मे हुनक दूर-दृष्टि विश्वविद्यालयक स्वर्णिम भविष्य केर निर्माण मे खूब महत्वपूर्ण साबित होयत।
मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा अपन संबोधन मे कुलपतिक अभिनंदन करैत नागार्जुन चेयर केर नामकरण यात्री-नागार्जुन कयल जयबाक प्रस्ताव रखलनि। पूर्व विधान पार्षद प्रो दिलीप कुमार चौधरी कहलनि जे वसंत वास्तव मे आंतरिक मनोभावक जीवंत होयबाक सद्य: प्रमाण अछि। ओ कुलपति केर कार्यकालक चर्चा करैत कहलनि जे ‘सर्वजन हिताय’ केर हुनक मनोभावना नहि केवल काबिले-तारीफ अछि बल्कि एहिमे विश्वविद्यालयक सर्वांगीण विकास सेहो सर्वथा निहित अछि। अध्यक्षीय संबोधन मे प्रो शशिनाथ झा कहलनि जे वसंत प्रकृति आ मानव केर बीचक सुंदर संयोग अछि। ई नव आशा आ कामनाक जीवंत होयबाक सेहो प्रमाण अछि। ओ कुलपति कें हुनक यशस्वी कार्यकाल लेल मंगलमय शुभकामना देलनि। कार्यक्रम मे प्रो हरिनारायण सिंह, प्रो अशोक कुमार बच्चन, डा विद्यानाथ झा, विकास कुमार आदि सेहो अपन विचार रखैत कुलपति केर प्रशंसा मे कसीदा गढ़लनि।
कार्यक्रमक दौरान मंचासीन अतिथि लोकनि संग मिलि कऽ कुलपति एमएलएसएम काॅलेजक पत्रिका ‘प्रतिबिम्ब’ आ आरएनआर काॅलेज, समस्तीपुरक अतिथि शिक्षक डा कमलोद्भव झा केर लिखल रसायन शास्त्रक पुस्तक ‘पेरिसाईक्लिक रिएक्शन्स’ केर विमोचन कयलनि।
कार्यक्रम मे मिथिला रत्न पं कुंजबिहारी मिश्र, डा ममता ठाकुर आ कन्हैया केर प्रस्तुतिय समा बांधबा मे कारगर रहल। तबला पर क्रमशः पं सुधीर कुमार मिश्र आ हीरा कुमार झा ओ हारमोनियम पर प्रो चंद्रनाथ मिश्रक अंगरी जमिकऽ अपन जादू बिखेरलक। समारोह में डा बाबूसाहेब झा, मणिकांत झा, डा कामेश्वर पासवान, डा हरे कृष्ण सिंह, डा रमेश झा, डा अरुण सिंह, डा शशिभूषण यादव, डा आनंद कुमार झा, डा राम सुभग चौधरी, विनोद कुमार झा, प्रो विजय कांत झा, मनीष झा रघु, आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स, मणिभूषण राजू, बालेंदु झा,स्थानीय वार्ड पार्षद मुकेश महासेठ, विनय कुमार झा, हर्षवर्धन सिंह, राधेश्याम झा,छाया झा,रिया संस्कृति, वर्षा मंडल आदि समेत पैघ संख्या मे गणमान्य लोकक उपस्थिति छल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *