एक-एक वोटर के मतदान केन्द्र तक पहुँचाबय के जिम्मेदारी हमर-अहाँसन युवालोकनि के अछि :: बालेन्दु झा

एक-एक वोटर के मतदान केन्द्र तक पहुँचाबय के जिम्मेदारी हमर-अहाँसन युवालोकनि के अछि :: बालेन्दु झा

हमर अहाँक मेहनत आ सफलताक एकमात्र मूलमंत्र अछि एहि लोकतंत्र के महापर्व में कि हमसब प्रण ली आ अपन-अपन बूथ पर शतप्रतिशत वोटिंग के प्रयास करी।
हमर सबके एकमात्र नेता अछि “कमल निशान” । हमरा अहाँ लग अपन प्रतिनिधि केर सैकड़ों काजक हिसाब अछि। एयरपोर्ट, एम्स, तारामंडल, आईटीपार्क, रेलवे ओवरब्रिज संगहि लगभग केन्द्र सरकारक समस्त योजना केर धरातल पर सबसँ बेसी काज अगर बिहार के कोनो जिला में देखाईत अछि त ओ दरभंगा अछि। जँ बिहार के सबसँ मजबूत साँसद के चर्चा होइत अछि त हमर अहाँक गोपालजी ठाकुर जी केर नाम अवश्य अबैत अछि। तैं करबद्ध आग्रह जे आऊ एहि कड़ी के आगा बढ़बैत एहिबेर अपन क्षेत्र के वोटिंग परसेंटेज आ जीतक मार्जिन में रिकॉर्ड बनाबी आ देशभरि में दरभंगा केर मान बढ़ाबी।
विरोध-प्रतिरोध सहैत आगा बढ़नाई आ विजयश्री तक पहुँचनाई ई हमर अहाँक खून में अछि, संस्कार में अछि आ विचारधारा में अछि। आबयवला चुनाव मात्र एकटा क्षेत्र वा शहर के नहि अपितु पूरा देश के अछि। तैं समस्त युवालोकनि अपन भाई-बंधु सँ करबद्ध आग्रह करब जे स्वत: अपन जिम्मेदारी बुझैत अपन क्षमता आ आपसी सहयोग सँ एहिलक्ष्य हेतु लागी।
एकटा वोटर नै छुटय, ई मानि लिय जे एकटा वोटर मतदान केन्द्र पर नै पहुँच सकता ओ अहींक वोटर हेता।

“शत-प्रतिशत मतदान अछि अपन सबहक जीतक मूलमंत्र”

एहि आवाहन संग भाजयुमो जिलाध्यक्ष बालेन्दु झा हर शक्ति केन्द्र पर जाकय अपन युवा केर आवाहन कय रहल छथि। संगहि समस्त युवालोकनि सँ एहि महापर्व में संग आबि एकजुटता देखाबय लेल आग्रह कयलन्हि आ कोनो भी प्रकारक समस्याक स्थितिमे आ आवश्यक सहयोग हेतु 7782850336 पर सम्पर्क करबा हेतु नंबर देलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *