मोदीजी केर नेतृत्व आ “मोदी की गारंटी” पर जनता के अथाह आ अटूट विश्वास, दरभंगा के भय रहल चहुमुखी विकास :: गोपालजी ठाकुर

Gopaljee Thakur

विकसित दरभंगा संग विकसित राष्ट्रक संकल्प पूरा भय’क रहत, ई बात दरभंगा सांसद सह भाजपा(एनडीए प्रत्याशी) डॉ. गोपाल जी ठाकुर जी कहलाह। संसदीय क्षेत्रक दरभंगा ग्रामीण विधानसभा केर मनीगाछी प्रखंड अंतर्गत मनीगाछी बाजार, चकराजे, गंगौली, राजे ब्रहमस्थान, मनीगाछी स्टेशन, ब्रह्मपुरा, कोईलाखाहा, भटपुरा, सखवार, चियाटोल, विशौल, टटुआर, फुलबन, जगरनाथपुर, हनुमाननगर, चनौर, इंद्राथर, लाहो, जयनगर, भंडारिसम, मकरंदा, अमई, बलौर, डैनी टोल आदि गाम सबमें जनसंपर्क कय आम जनमानस सँ संवाद कय, आशीर्वाद मंगलथि आ 13 मई के कमल के निशान पर वोट डालय हेतु अपील कयलनि। ओ कहलथि कि आजादी के पश्चात पहिल बार दरभंगा में एते पैघ संख्या में विकास परियोजना के स्वीकृति देल गेल अछि। दरभंगा एयरपोर्ट, एम्स, तारामंडल,आईटी पार्क,छः रेलवे गुमती पर ओवरब्रिज,एकटा लो कास्ट ओवरब्रिज,एकटा लाइट ओवरब्रिज, आमस-दरभंगा एक्सप्रेस वे सड़क, अमृत भारत स्टेशन योजना के तहत दरभंगा,लहेरियासराय एवं सकरी रेलवे स्टेशन के विश्वस्तरीय स्टेशन के रूप में पुनर्विकास, अंडर गैस पाइप लाइन आ सीएनजी सहित दर्जनों पैघ परियोजना पर काज चलि रहल अछि। सांसद कहलथि कि ओ विकसित दरभंगा के अपन लक्ष्य के पूरा करबा के लेल कृत संकल्पित छथि। आबयवला समय में दरभंगा देश के पटल पर अपन पहचान पुन: स्थापित करत।

सांसद डॉ. ठाकुर कहलथि कि पीएम नरेंद्र मोदी जी समाज के अंतिम व्यक्ति के जीवन के सरल आ सुगम बनाबय आ हुनक उत्थानक दिशा में ऐतिहासिक काज कयलथि आ क रहल छथि। 140 करोड़ देशवासियों केर सपना के साकार करबाक मोदी के गारंटी अछि ताकि भारत के शक्तिशाली, आत्मनिर्भर व विकसित बनाओल जा सकय। ओ कहला कि बीतल 10 वर्षमें पीएम मोदी के कुशल नेतृत्व के परिणाम अछि कि आई देश के आम लोक सेहो विकसित भारत के संकल्प के पूरा करबा लेल मजबूती से ठाढ़ छथि। सांसद कहला कि अयोध्या में राम मंदिर, मुस्लिम बहिन सबके तीन तलाक सँ आजादी, जम्मू कश्मीर स धारा 370 समाप्त करबा जेहन दर्जनों मुद्दा पर फैसला लय क सरकार ई बता देलक कि देश हित में कोनो भी पैघ आ कठोर फैसला लेबा में सक्षम अछि।

सांसद डॉ ठाकुर कहला कि पछिला 10 वर्षमें प्रधानमंत्री मोदी जी केर बेहतर आ प्रभावी नीतिसबके कारण गांव,गरीब, शोषित,वंचित,दलित, पीड़ित, महिला, युवा आ किसान सहित सब वर्ग के नव ताकत भेटल अछि। ओ कहलथि कि एक समय रहय, जखन देश आ राज्य में जाति,धर्म, परिवारवाद आ क्षेत्रवाद केर राजनीति होई छल, लेकिन आई देशक लोक विकासवाद के राजनीति के संग ठाढ़ छथि। सांसद कहलथि कि देश में एखनहु किछु लोक वंशवाद, तुष्टिकरण, परिवारवाद आ गुंडाराज के राजनीति करबामे लागल छथि, परंतु देश केर जनता वोट केर माध्यम सँ हुनका सबके सबक सिखाबय के लेल तैयार छथि।

सांसद मोदी सरकार द्वारा देश भरि मे चलाओल जा रहल विभिन्न जनकल्याणकारी योजना के चर्चा करैत कहला कि वर्तमान में सरकार के सब जनकल्याणकारी योजना के लाभ समाज के अंतिम पायदान पर ठाढ़ लोक तक पहुंच रहल अछि। सरकार सब योजना में डीबीटी लागू कय बिचौलियों केर खत्म कय देने अछि। पहिले सरकारी योजना के लाभ लेबा के लेल लोग सरकारी दफ्तर के चक्कर लगबैत छलैथ, आब सरकार लोकसबहक घर तक पहुंच रहल अछि। यैह बदलैत भारत के तस्वीर अछि। ओ कहलथि कि जनता के मोदी जी के नेतृत्व आ ‘मोदी की गारंटी’ पर अटूट विश्वास छनि। एहि आम चुनाव में जनता जनार्दन के आशीर्वाद सँ एनडीए बिहार के सबटा 40 सीट पर रिकार्ड मत स जीतत आ “अबकी बार, 400 पार” के संकल्प पूरा होयत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *