“युवा समागम सह युवा जनप्रतिनिधि सम्मान समारोह” में दरभंगा जिला सँ सौकड़ो के संख्या में युवा हेता शामिल:- बालेन्दु झा

“युवा समागम सह युवा जनप्रतिनिधि सम्मान समारोह” में दरभंगा जिला सँ सौकड़ो के संख्या में युवा हेता शामिल:- बालेन्दु झा

आई दिनांक 10 जनवरी 24 के भारतीय जनता युवा मोर्चा दरभंगा के द्वारा “प्राइड मिथिला फैमिली रेस्टोरेंट” दरभंगा-सकरी हाइवे(NH-57), रानीपुर में प्रेस वार्ता जिला अध्यक्ष बालेन्दु झा के अध्यक्षता में आयोजित कयल गेल।

जिला अध्यक्ष बालेन्दु झा प्रेस वार्ता के संबोधित करैत कहला कि आगामी 12 जनवरी 2024 के स्वामी विवेकानंद जयंती के शुभ अवसर पर पटना के मिलर हाई स्कूल ग्राउंड में आयोजित होबयवला “युवा समागम सह युवा जनप्रतिनिधि सम्मान समारोह” में जिला केर सब विधानसभा सँ सैकड़ों के संख्या में युवा कार्यक्रम में शामिल हेता। ओ कहलथि कि एहि कार्यक्रम में भाजयुमो राष्ट्रीय अध्यक्ष तेजस्वी सुर्याजी सेहो भाग लेता आ एहि कार्यक्रम के माध्यम सँ बिहार के हजारों युवा के आगामी लोकसभा व विधानसभा चुनाव में बिहार में प्रचण्ड जीत के लय क आवाह्न करताह।

प्रेस वार्ता के संबोधित करैत जिला महामंत्री गजेंद्र मंडल कहलथि कि पछिला चुनाव के आवाहन में भाजयुमो के राष्ट्रीय अध्यक्ष तेजस्वी सूर्या जी दरभंगा सँ युवालोकनि मे संगठन के प्रति समर्पण आ संग-संग विधानसभा आ लोकसभा चुनाव के निमित्त युवालोकनि में जोश भरबाक लेल शुरुआत कयने छलथि जे कि एहि वर्ष पटना के मिलर ग्राउंड सँ शुरुआत कयल जा रहल अछि।

एहि प्रेस वार्ता में जिला उपाध्यक्ष सूरज चौधरी पत्रकारलोकनि के संबोधित करैत कहला कि मंडल स्तर पर प्रभारी बनाकय युवा मोर्चा के अधिक से अधिक युवालोकनिकेर सहभागिता के प्रयास में लागल छी आ दरभंगा जिला सँ नीक संख्या में युवालोकनि के सहभागिता होयत। प्रेस वार्ता में जिला मीडिया प्रभारी मणिकांत ठाकुर , जिला प्रवक्ता शशि भूषण (नेहरू जी) मुख्य रूप सँ उपस्थित छलथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *