‘५०सम मिथिला विभूति पर्व समारोह’क तैयारी भेल शुरू, आऊ एहि स्वर्णजयंती के महोत्सव बनाबय में संग दिय :: आशीष चौधरी

‘५०सम मिथिला विभूति पर्व समारोह’क तैयारी भेल शुरू, आऊ एहि स्वर्णजयंती के महोत्सव बनाबय में संग दिय :: आशीष चौधरी

मिथिलाक सामाजिक आ साँस्कृतिक पुनर्जागरण हेतु प्रारंभ कयल गेल मिथिला विभूति पर्व समारोह के 50सम आयोजन एहिसाल 6, 7 आ 8 नवंबर के आयोजित कयल जा रहल अछि।
संस्थान द्वारा विगत 50 साल में अनेकों आंदोलन के नेतृत्व कयल गेल आ आजुक दरभंगा के स्वरूप में सतत योगदान रहल अछि एहि संस्थान के।
हमर सबके ई दायित्व बनैत अछि जे एहि साल हमसब संस्थान के पचास वर्षक यात्राक परिचय आ संघर्षक कहानी अपन अगिला पीढ़ी के सुनाबी आ अगिला पीढ़ी के अपन मिथिला लेल समर्पित करी।
आऊ सबगोटे मिलिजुलि क एहि समारोह के महोत्सव के रूप में मनाबी आ मिथिला राज्य हेतु जयघोष करी।
एहि के सूचना दैत संस्थान के युवा महासचिव आशीष चौधरी कहलन्हि जे चारि पीढ़ी के सतत मेहनत के परिणामत: आई हमसब एहि जगह पहुँचल छी। एहि स्वर्णजयंती के शुभ अवसर पर हमसब संस्थान सँ जुड़ल आ मिथिला लेल प्रतिबद्ध रहल हर अभिभावक सँ आशीर्वाद लेब आ एहि अभियानक अगिला पीढ़ी के तैयार करब।
एहि आयोजन सँ जुड़य लेल आ अपन संग हेतु 9958889191, 7352026136 वा 8826566136 पर सम्पर्क करी।

जय मिथिला
जय जय मैथिल

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *