रैयाम, मधुबनी के जमुना देवी के भेटत मिथिलाक सिक्की कला के क्षेत्र में भेटत “मिथिला विभूति सम्मान” :: मणिभूषण ‘राजू’

रैयाम, मधुबनी के जमुना देवी के भेटत मिथिलाक सिक्की कला के क्षेत्र में भेटत “मिथिला विभूति सम्मान” :: मणिभूषण ‘राजू’

विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा द्वारा आयोजित होबयवला पचासम मिथिला विभूति पर्व समारोह के अवसर पर मिथिला के पारंपरिक लोक-कला “सिक्की कला” के क्षेत्र में योगदान हेतु रैयाम, मधुबनी के जमुना देवी के “मिथिला विभूति” सँ सम्मानित कयल जायत।
विदित हो कि 92 वर्षीय जमुना देवी सिक्की कला के संरक्षण आ प्रचार-प्रसार हेतु एहि के आजीविका सँ जोड़यवाली आ मिथिला लोककला में सबसँ पुरान मैथिलानी छथि। आई हिनक गाम के मिथिलानी सबके आजीविका के साधन अछि ई “सिक्की कला” ।
एकाधिक राष्ट्रीय पुरस्कार आ अनेको राज्य-पुरस्कार सँ सम्मानित कलाकार के गुरुमाँ छथिन्ह जमुना देवी।
जमुना देवी के पौत्री राधा कुमारी कहय छथि जे दादी हमरा सबके चारि पीढ़ी के सिक्की कला सिखौनै छथि आ हमसब एहिके आगा बाकी लोक के सिखा रहल छी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *