सामाजिक कार्यकर्ता सह भाजयुमो जिलाध्यक्ष बालेन्दु झा ‘बालाजी’क पत्नी अर्चना झा कयलन्हि उप-महापौर पद लेल नामांकन :: मणिभूषण ‘राजू’

मैथिल मंच के सतत सहयोगी आ सामाजिक कार्यकर्ता सह भाजयुमो जिलाध्यक्ष बालेन्दु झा ‘बालाजी’क पत्नी अर्चना झा कयलन्हि उप-महापौर पद लेल नामांकन :: मणिभूषण ‘राजू’

दरभंगा

मीडिया के संबोधित करैत प्रत्याशी अर्चना झा कहलन्हि कि पहिल बेर महापौर आ उप-महापौर पद चुनबाक अधिकार जनता के हाथ में आयल अछि नहितँ पहिले त गिनल चुनल धनवान लोक पाईके दम पर चुनल जाईत छलथि। एहिलेल जनता एहिबेर बहुत सोचि-समझि क फैसला लेत आ क्षेत्र में सक्रिय आ जनता के आवाज उठाबयवला लोक के चुनि क पठेती।
एहि संबंध में आगा बालेन्दु झा कहला कि पछिला 20 वर्ष सँ बेसी स आम लोकक  समस्या लेल आवाज उठबैत रहल छी। कोरोना आ बाढ जेहन विभिषिका में जखन लोक घर स निकलैत नहिं छलथि, हमसब युवालोकनिक संग  पीङित मानवता की सेवा में तत्पर रही। एहि चीज के दरभंगाक जनता नजदीक सँ देखने छथि आ एहिबेर ओ फैसला सोच समझ क लेत। एहिलेल शहर में कचङाक अंबार, जलजमाव, अतिक्रमण सन प्रमुख समस्या के निदान के लेल जनता स्वयं चुनाव लड़त आ उपयुक्त प्रत्याशी के चुनत।
अर्चना झा अपन गाम शुभंकरपुर स्थित बाबा राजारामधनी मंदिर सँ अपन परिवार आ ग्रामीण अविभावकलोकनिक आशीर्वाद लय अपन साधारण अंदाज में नामांकन करय पहुंचलीह।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *