ट्राई कलर कयलक ‘वेलेंटाइन की प्रोजेक्ट’ केर शुभारंभ

ट्राई कलर कयलक ‘वेलेंटाइन की प्रोजेक्ट’ केर शुभारंभ
——-
रियल एस्टेट क्षेत्रक अग्रणी कंपनी ट्राई कलर समूह शनिदिन दरभंगा-सोनकी पथ पर ‘वेलेंटाइन की’ नाम सँ अपन तेसर महत्वाकांक्षी प्रोजेक्ट केर शुभारंभ कयलक। विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉ बैद्यनाथ चौधरी बैजू केर अध्यक्षतामे आयोजित शुभारंभ कार्यक्रम मे मिथिलाक अनेक गणमान्य व्यक्ति, साहित्यकार आ कलाकार अपन उपस्थिति दर्ज केलाह। एहिमे मैथिली अकादमीक पूर्व अध्यक्ष पं कमलाकांत झा, वरिष्ठ साहित्यकार मणिकांत झा, प्रवीण कुमार झा, मनीष झा रघु, मो अशरफ सहित मैथिली मंचक स्थापित कलाकार आ कंपनीक ब्रांड एम्बेसडर माधव राय आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहलनि। सभ आगत अतिथि केर मिथिलाक गौरवशाली परंपराक अनुरूप पाग, चद्दरि, फूलक माला आ पुष्पगुच्छ प्रदान कऽ स्वागत ओ अभिनंदन कयल गेलनि। अतिथि लोकनि अपन संबोधन मे कंपनी द्वारा कयल जा रहल कार्यक सराहना करैत कहलनि जे एहि सँ मिथिला क्षेत्र में रियायती दर पर आवास केर सुविधा उपलब्ध होयबाक संगहि रोजगारक संभावनाक अनेक द्वार खुजल अछि।

एहि अवसर पर कंपनीक निदेशक चंदन कुमार झा, कार्यकारी निदेशक रंजन कुमार झा, प्रोजेक्ट निदेशक राकेश चौधरी, क्षेत्रीय परियोजना निदेशक किशोर कुमार झा आदि कंपनीक विजन आ मिशन केर बारेमे विस्तृत जानकारी दैत बतेलनि जे कंपनी आम आदमी केर अपन जमीन आ अपन मकानक सपना कें सभ तरह सँ साकार करैत मिथिला क्षेत्रक अभूतपूर्व विकास चाहैत अछि। चंदन कुमार झा कहलनि जे ओ कंपनी कें मिथिला क्षेत्रमे एकर सोन्हगर माटि केर खुशबू संग आगू बढ़बय चाहैत छथि। ओ हरेक मिथिलावासी केर मूलभूत जरूरत कें ध्यानमे रखैत हुनकर विकास चाहैत छथि। कार्यकारी निदेशक रंजन कुमार झा अपन संबोधनमे कंपनीक अनेक महत्वाकांक्षी योजनाक बारेमे जानकारी साझा कयलनि। कार्यक्रममे कंपनी केर प्रोजेक्ट डायरेक्टर मनोज झा, शाखा प्रबंधक संजीव वर्मा, सेल्स मार्केटिंग रंजीत झा, कुमार मिश्रा, प्रदीप झा, किशोर कुमार ठाकुर, प्रवीण कुमार ठाकुर, आँचल सहित कार्यालय केर सभ कर्मी उपस्थित रहथि।
एहि सँ पूर्व ट्राईकलर कम्पनीक निदेशक चंदन कुमार झा, कार्यकारी निदेशक रंजन कुमार झा आ कुंदन कुमार झा दू दिवसीय मिथिला दौरा पर शनिदिन दरभंगा अयलाह। दरभंगा हवाई अड्डा पर हुनक आगमन संगहि कंपनीक दरभंगा, मुजफ्फरपुर आ पटना कार्यालयक पदाधिकारी लोकनि द्वारा हुनक भव्य स्वागत कयल गेल। एकर बाद दिल्ली मोड़ स्थित कंपनी केर कार्यालय पर पहुंचि ओ ट्राईकलर केर कर्मचारी लोकनि संँ भेंट केलनि। एहि क्रम मे एकटा बैसार केर आयोजन सेहो कएल गेल। जाहिमे ओ कंपनीक अनेक योजना केर समीक्षा करैत अनेक निर्देश पदाधिकारी लोकनि कें देलनि। बैसार मे विशाखापत्तनम आ दुबई मे कंपनी द्वारा कयल गेल भूमि पूजन कार्यक्रम केर चर्चा करैत कहलनि दुबई मे कम्पनीक करार सीधा ओतुका किंग सँ भेल अछि जे नहि केवल कंपनीक लेल खुशीक गप्प अछि, बल्कि ओहिठामक लोकक बीच ई विश्वसनीयताक प्रतीक बनल अछि। ओ कहलनि जे दरभंगा शहर केर तेजी सँ भऽ रहल विस्तार कें देखैत कंपनी एक महीनाक भीतर अनेक महत्वाकांक्षी योजना केर घोषणा करबाक ओरियान मे लागल अछि। जाहि मे सस्ता दर पर जमीन आ आवासक उपलब्ध होयबाक संग संग स्थानीय स्तर पर कारोबार आ रोजगार कें बढ़ावा देबा पर विशेष जोर रहत। ओ बतेलनि जे रवि दिन कंपनी द्वारा आरा मे सेहो एकटा महत्वाकांक्षी परियोजना केर शुभारंभ संग अनेक लोक कल्याणकारी योजनाक घोषणा कयल जायत।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *