सहरसा के बेटी बनलीह प्रथम विजेता आओर दोसर पर सेहो जमेलनि धाक

Image

सहरसा के बेटी बनलीह प्रथम विजेता आओर दोसर पर सेहो जमेलनि धाक

सहरसा । प्रतिनिधि
स्कूल ऑफ इन्वायरमेंट साइंसेज, जेएनयू द्वारा आयोजित आनलाइन प्रतियोगिता में सहरसा के दू टा बेटी पहिल आ दोसर स्थान हासिल कयलन्हि।
स्टूडेंट फॉर जेएनयू आर स्कूल ऑफ इनवायरमेंट साइंसेज द्वारा करोना वायरस के कारण लगाओल गेल लाकडाउन में आनलाइन टैलेंट हंट इवेंट आयोजित कयल गेल छल जहिमे पेंटिंग, पोस्टर, लेख व कविता के लेल चारि कैटेगिरी में प्रतियोगिता आयोजित भेल छल। पेंटिंग के लेल अर्थ हिलिंग इटसेल्फ कोविड19, आओर आवर हिरोज इन कम्बेटिंग द कोविड19 आर थिंक फॉर वाइल्डलाइफ इन लाकडाउन कैटेगरी पर 112 प्रतियोगी शामिल भेल छलथि। जहिमे पहिल स्थान पर अर्चना मिश्रा आ दोसर स्थान पर मीनाक्षी दास एलीह। सहरसा के कहरा प्रखंड के चैनपुर गामक निवासी अर्चना आ शहर के कायस्थ टोला निवासी मीनाक्षी दास पेंटिंग के क्षेत्र में बहुत नाम कमौनै छथि। एहिसँ पहिलेहो अनेको प्रतियोगिता में भाग लग सफलता अर्जित कयने छथि। अर्चना जतय कठिन सँ कठिन चित्रण आसानी सँ कय लैत छथि ओतहि मीनाक्षी के पेंटिंग में इमोशन नीक जकाँ झलकैत अछि। अर्चना मिश्रा आ मीनाक्षी दास दूनू गोटे मंच सँ जुड़ल छथि आ मंच के मिथिला पेंटिंग के सिद्धस्त कलाकारगण में छथि आ पेंटिंग आ कला के विभिन्न आयाम सबमे महारत हासिल कयने छथि।

मुक्ति आर्ट गैलरी सँ श्रीमती मुक्ति झा अपन समस्त कलाकारगण के संगे एहि दूनू गोटे के अपन जिला संग सम्पूर्ण मिथिलाक मान बढ़ाबय लेल अभिनन्दन कयलनि।


2 Comments

Leave a Reply to Santush rajput Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *