मैथिल संस्कृतिक स्तंभ

Image

मैथिल संस्कृतिक किछु प्रमुख स्तंभ –

1. गौतम :: गौतम मिथिलाक ब्रह्मपुर गामक रहनिहार छलाह। गौतम कुँड आ अहिल्या स्थानसँ हुनक संबंध रहल अछि।

2. याज्ञवल्क्य :: ई महाराज जनकक समकालीन आ योगी छलाह। ई अपनाकेँ “मिथिलास्थस्स योगीन्द्र:” कहने छथि। हिनक पत्नी वेदान्तक विदुषी छलीह।

3. कपिल :: मिथिला में साँख्यक निर्माता मानल जाईत छथि।

4. राजा सल्हेस

5. वीर लोरिक

6.मण्डन मिश्र  :: मण्डन मिश्र न्याय आ मीमांसाक अद्वितीय विद्वान सहरसा जिलाक महिषी गामक निवासी छलाह। शंकराचार्य सँ हिनक शास्त्रार्थ भेल छल जहिमे हिनक पत्नी भारती(शारदा) अध्यक्षता कयने छलीह। हिनक पानिभरनी शंकराचार्य के बाट देखबैत कहने छलथिन्ह-
“स्वत: प्रमाणं परत: प्रमाणं शुकाड़्गनायत्र विचास्थंति।
शिष्योप शिष्यैरूपगीयमानमवेहि तन्मण्डनमिश्रधाम।।
जगद ध्रुवं स्याज्जगद् ध्रुवं आ कीराड़्गनायत्र गिरोगिरंति।
द्वारस्थनीडाड़्गणसानेरुद्दा जा नीहि तन्मण्डनमिश्रधाम”।।

7.वाचस्पति ::अद्वितीय दार्शनिक जनिक ‘भामती’ दर्शन क्षेत्रमे अपूर्व ग्रंथ मानल गेल अछि। इ सर्वतंत्र स्वतंत्र विद्वान छलाह आ पूर्वी मिथिलाक वासी छलाह।

8. उदयनाचार्य :: ओना तँ करिऔनक निवासी कहल जाईत छथि पूर्वी मिथिलाक निवासी हेबाक प्रमाण सेहो हिनका संबंध मे भेटईत अछि। ओ पैघ दार्शनिक छलाह आ हिनक निम्नोक्त गर्वोक्ति प्रसिद्ध अछि –

“वयमहि पदविद्यां तर्क मान्वीक्षिकींवा
यदि पथि विपथे वा वर्त्तयामस्सपंथा।।
उदयति दिशि यस्यां भानुमान सैव पूर्वा
नहि तरुणिरुदिते दिक्पराधीन वृत्ति:”।।
हिनक लिखल अनेक ग्रंथ उपलब्ध अछि आ ओ एक विश्वविख्यात दार्शनिक छलाह। मिथिलाक प्रसिद्धिक प्रसारमे हिनक योगदान ककरोसँ कम नहिं अछि। कहल जाईत अछि जे जगन्नाथधाम जेबाक कालमे हिनक मोन में ईश्वर-संबंधी संकल्प-विकल्प होमय लागल आ जगदीशपुरी नामक स्थानमे जखन ओ एक मंदिरमे प्रवेश केलन्हि तखन एकाएक मंदिरक केबाड़ बन्द भ गेल। ईश्वरक प्रति हुनक आस्था बढ़ि गेलन्हि आ ओ लिखलन्हि –
उपस्थितेषु बौद्देषु मदधीना तावस्थिति:
ऐश्वर्य्य मदमत्तस्सवं मामवज्ञाय वर्त्तसे।।

9.गंगेश उपाध्याय :: मंगरौनी निवासी गंगेश न्याय-शास्त्र दुधर्ष विद्वान भेल छथि आ हिनक प्रसिद्ध ग्रंथ “तत्वचिंतामणि” अपना विषयक अद्वितीय ग्रंथ मानल गेल अछि। नव-न्यायक जन्मदाता ई छलाह जहि हेतु मिथिला जगत्प्रसिद्ध भेल अछि।

10. ज्योतिरीश्वर ठाकुर

11. चण्डेश्वर ठाकुर

12. पक्षधर मिश्र

13. शंकर मिश्र

14. विद्यापति ठाकुर

15. महेश ठाकुर

16. हेमांगद ठाकुर

17. माधव सिंह

18. धर्मदत्त झा

19. लक्ष्मीश्वर सिंह

20. रमेश्वर सिंह

21. चन्दा झा

 

 

 

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *