मिथिला राज्य संकल्प दिवस के रूप में मनाओल गेल जानकीनवमी

Image

सोशल डिस्टेन्स के पालन करैत विद्यापति सेवा संस्थान में मनाओल गेल जानकी नवमी

श्रीसीता प्राकट्योत्सव सह मैथिली दिवस समारोह आयोजित
दरभंगा : कोनो क्षेत्रक संस्कृति के ओतय के भाषा आ लिपिक स्थिति सँ समझल जा सकैत अछि। दूनूमे अन्योनाश्रय संबंध होईत अछि। मिथिलाक सांस्कृति काफी उदात्त रहल अछि। आवश्यकता अछि कि हम अपन भाषा आ लिपि के संरक्षित करी आ एहिकेँ विकासक दिशा में आगा कदम बढ़ाबी। श्रीसीता पूजनोत्सव सह मैथिली दिवस समारोह में शिवधनुषधारिणी के भेल पूजा श्रीसीता प्राकट्य दिवस पर शिवधनुषधारिणी भगवती सीताजी क चित्र स्थापित कय शास्त्रीय विधि सँ पूजन कयल गेल। पौरोहित्य केलथि प. लालन झा आ यजमान रहलथि मैथिली विभाग के डा. अमलेन्दु शेखर पाठक। उपस्थित लोकसब माँ भगवती के स्तुति में मगन रहलाह। साँझमे सामूहिक आरती कयल गेल।

Image
संगीतक धारा में मुग्ध रहलथि लोक मैथिली मंच के चर्चित गायक कुंज बिहारी मिश्र, विद्यापति सेवा संस्थान ग्रुप सँ लाइव आबिकय लोकसब क मनोरंजन कयलथि।

एकटा नव शुरुआत

आई जगतजननी जगदम्बा माता सीता के अवतरण दिवस जानकीनवमी के उपलक्ष्य में हर वर्ष की भाँति विद्यापति सेवा संस्थानअखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के आवाहन पर मिथिला राज्य संकल्प दिवस के रूप में मनाओल गेल आ समस्त मिथिलावासी के मिथिला राज्य आँदोलन में जागृत होबाक लेल आवाहन कयल गेल।

Image

एहि शुभ दिन में मिथिला लेल राज्य समर्थक युवा लोक संगहि मैथिल मंचअखिल भारतीय मिथिला पार्टी के संयोजन में मिथिला राज्य के लेल प्रतीकात्मक एकता प्रदर्शन हेतु सामूहिक अभियान चलाकय सोशल मीडिया फेसबुक, ट्विटर और अन्य माध्यम से लाकडाउनक बाध्यता संग एकसाथ समस्त सोशल मीडिया पर साथ जमीनी स्तर पर राजनीतिक और गैरराजनीतिक ध्रुवीकरण देखायल मिथिला राज्य के समर्थन में। एक तरफ मिथिला नाम सँ ट्विटर पर सबसँ आगा ट्रेंड कयल गेल और दोसर तरफ मिथिला राज्य के समर्थन में उठि रहल आवाज शनै:-शनै: हर मैथिल आत्मा के मिथिला के लेल ठाढ़ होबाक लेल प्रेरित कय रहल अछि।
आजुक एहि नव प्रयास आ सहयोग लेल समस्त बन्धु-बान्धवजन के अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के तरफ सँ महासचिव मैथिल संजय मिश्रा, आनंद झा आ अमित झा के द्वारा आभार प्रकट कयल गेल आ आगा एहि संयोजन में मजबूती बढ़ेबाक लेल आवाहन कयल गेल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *