#ISupportMithilaRajya :: मिथिला राज्य आँदोलन

Image

आई जगतजननी जगदम्बा माता सीता के अवतरण दिवस जानकीनवमी के उपलक्ष्य में हर वर्ष जकाँ  अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के आवाहन पर मिथिला राज्य संकल्प दिवस के रूप में एकरा मनाओल गेल आ संगहि  अखिल भारतीय मिथिला पार्टी के तरफसँ सम्मिलित रूपसँ समस्त मिथिलावासी के मिथिला राज्य आँदोलन में जागृत होबाक लेल आवाहन कयल गेल।
एहि शुभ दिन में मिथिला के राज्य समर्थक युवा लोकनि आ  मैथिल मंचअखिल भारतीय मिथिला पार्टी  युवा संस्कार मिथिला फाऊंडेशनके संयोजन में मिथिला राज्य लेल प्रतीकात्मक एकता प्रदर्शन हेतु सामूहिक अभियान चलाओल सोशल मीडिया फेसबुक, ट्विटर आ आन माध्यम सँ लाकडाउनक बाध्यता संग।
एकसंग समस्त सोशल मीडिया पर संगहि जमीनी स्तर पर राजनीतिक आ गैरराजनीतिक ध्रुवीकरण देखायल मिथिला राज्य के समर्थन में। एक तरफ मिथिला नाम सँ ट्विटर पर सबसँ आगा ट्रेंड कयलक आ दोसर तरफ मिथिला राज्य के समर्थन में उठि रहल आवाज शनै:-शनै: हर मैथिल आत्मा के मिथिला लेल ठाढ़ होयबाक लेल प्रेरित कय रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *