विश्व पत्रकारिता दिवस पर अपन मातृभाषा के संग अयलाह डिजिटल पत्रकार :: रचलन्हि इतिहास

Image

आई विश्व पत्रकारिता दिवस पर अपन मातृभाषा के संग भय रहल भैदभाव लेल ठाढ़ भेलथि डिजिटल पत्रकारक टीम……रचलन्हि इतिहास
आई 3 मई के विश्व पत्रकारिता दिवस दिन मिथिला के युवाजन #MaithiliInPrimaryEducation ट्विटर पर ट्रेंड कराकय एहि मुद्दा लेल जनसमर्थन हेतु आवाहन कयलन्हि।

Image
18000 ट्वीट संगहि देशभरि में 38सम सँ 27 स्थान धरि ट्रेंड करैत रहल ई माँग।

ImageRemove featured image
विदित होई कि एहि लाकडाउन के समय में जानकीनवमी दिन सँ प्रति रविदिन एकटा मिथालाक मुद्दा के जोरदार ढ़ंग सँ उठेबाक लेल मैथिल युवाजन द्वारा आवाहन कयल गेल। सम्पूर्ण मिथिला सँ लय क स्थानीय मुद्दा के चुनि प्रति रवि दिन सोशल मीडिया पर उठाओल जायत आ आगाक सप्ताह में ओकर निराकरण हेतु जमीनी समाधानक काज कयल जायत।
प्रति रविदिन साँझ में सर्वसम्मति सँ अगिला रवि के मुद्दाक घोषणा कयल जायत आ यथोचित तैयारी कयल जायत।
अगिला रवि दिन दिनांक 10 मई 2020 के मुद्दा राखल गेल अछि #TourismInMithila
एहि ट्रेंड द्वारा मिथिला के विभिन्न पर्यटन स्थल के विकास कय मिथिला में टूरिज्म के संभावना आ समस्या पर चर्चा कय ट्रेंड द्वारा सरकार के ध्यानाकर्षण आवाज उठाओल जायत।
मुद्दा के सुझाव हेतु 8207820236 वा manchmaithil@gmail.com पर पठाओल जा सकैत अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *