मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता 2020 के नामांकन प्रारंभ भेल :: मणिभूषण राजू

Image

मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता 2020

मैथिल मंच के परिकल्पना मिथिला कला रक्षा संकल्प हेतु मिथिला लोक चित्रकला प्रतियोगिता-2020 (मिथिला पेंटिंग) के आयोजन कयल जा रहल अछि जहिमे पुन: विगत वर्ष जकाँ निम्न पुरस्कार रहत ::
प्रथम पुरस्कार : 21000/-
द्वितीय पुरस्कार : 11000/-
तृतीय पुरस्कार : 5100/-

.


मिथिला पेंटिंग सँ जुड़ल समस्त कलाकार सँ अनुरोध जे एहि देशस्तर पर होबयवला प्रतियोगिता में भाग ली।एहि प्रतियोगिता में भाग लेबाक लेल कोनो तरहक उम्र वा अनुभव के प्रतिबंध नहिं अछि, जँ अहाँ अपन कला सँ प्रेम करय छी त अहाँ अपन घर पर बैसि कय पेंटिंग बनाकय एहि प्रतियोगिता में भाग लय सकय छी किछु नियम संग। अपन कला के प्रति संकल्प हेतु सबगोटे के आमंत्रण अछि।
.
नोट : प्रतियोगिता में संग आ सहयोग हेतु, नियम, विधि वा अन्य कोनो जानकारी लेल सम्पर्क करी
8826566136, 8207820236, 8544661250,
9958889191 वा manchmaithil@gmail.com पर ईमेल करी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *