नहि रहलाह ब्रजस्थ मैथिल के आधारस्तंभ पं. विजय कुमार शाण्डिल्य (शर्मा) :: समस्त मिथिला के तरफ सँ अश्रुपूर्ण श्रद्धाँजलि

Image

अश्रुपूर्ण श्रद्धांजलि
*******

आई भोरे लगभग ६.३० बजे व्रजस्थ मैथिल, राष्ट्रभक्त,समाजसेवी,अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय कार्यकारिणी के सदस्य,प्रबल मिथिला राज्य समर्थक, मैथिली भाषा आन्दोलन के सेनानी पं० विजय कुमार शाण्डिल्य (शर्मा ) ह्रदयाघात के कारण स्वर्गवासी भऽ गेलाह।
अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति परिवार एहि घटना सँ मर्माहत् अछि। संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष डा० बैद्यनाथ चौधरी बैजू, अंतर्राष्ट्रीय संयोजक प्रो०अमरेन्द्र कुमार झा आ राष्ट्रीय प्रवक्ता एवं मीडिया प्रभारी ईंजीनियर शिशिर कुमार झा अश्रुपूर्ण श्रद्धांजलि दैत शर्माजी परिवार के एहि दुखक समय मे शांति आ धैर्य लेल माँ जानकी सँ प्रार्थना केलैन अछि।
शर्माजी के संक्षिप्त परिचय:-
नाम:- पं० विजय कुमार सांडिल्य ( शर्मा )
जन्म दिवस:-११ दिसम्बर १९६२
वैवाहिक दिन:- १९ जून १९९१
पढाई:- स्नातक, दिल्ली विश्वविद्यालय
पार्टी सदस्य:- बी जे पी
संगठन:-१. राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ,पद:-नगरकार्यवाह त्रिनगर,नइ दिल्ली।
२. अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति,पद:-सदस्य, राष्ट्रीय कार्यकारिणी।
स्वदेशी मंच सँ हरदम स्वदेशी सामान के पक्षधर सालों सँ।चीन सँ तनातनी के बीच २७ जून २०२० के सपरिवार स्वदेशी लेल संकल्प लेलैनि।
सम्पादक:- हिन्दी मासिक पत्रिका ” श्रीपति सम्वाद ” ( जाहि मे दू पृष्ठ मैथिली भाषा के समाचार आ लेख लेल। मिथिला राज्य आन्दोलन के सब समाचार छापि व्रजस्थ मैथिल के जागरूक करैत रहलाह )
पता:- त्रिनगर , नई दिल्ली
माता:-श्रीमति प्रेमवती
पिता:- श्री हरिगोविन्द शर्मा
दादी:- कैलाशवासी लीलावती
दादा:- श्री रामप्रसाद शर्मा
दोसर पता( जखन ५००-६००) साल पहिने मिथिला सँ पलायन कऽ व्रज भूमि आयल छल हिनक परिवार ):-
गाम:- आशा घडी डा० मांट
जनपद:-मथुरा (यू०पी०)
मूलगाम:-पगुलवार-भरियाम, मिथिला, बिहार
गोत्र:- शाण्डिल्य
वेद-सामवेद ग्रह-सूत्र,गोभिल शाखा-कौथुमी प्रवर-३,
बीजीपुरुष-रमाकान्त झा
वर्तमान मे:-
एकटा पुत्र:-एडवोकेट पुनीत शर्मा।
एहेन मिथिला विभूति आ मिथिला मैथिली सेनानी के कोटिश: नमन् आ अश्रुपूर्ण श्रद्धांजलि।
ॐ शांति ॐ शांति ॐ शांति ॐ शांति ॐ।
जयतु मिथिला मैथिली आंदोलनी।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *