मिथिला में एकटा आर चलैत संस्थान खंडहर बनबा लेल तैयार अछि :: की एखनो नै जागब मैथिल लोकनि??

आखिरकार मिथिला सँ छीन लेल गेल रेलवे प्रशिक्षण संस्थान…….

जमालपुर के रेलवे प्रशिक्षण संस्थान के लखनऊ हस्तांतरित करबाक नोटिस। भारतीय रेलवे बिहार के सबसँ पुरान प्रशिक्षण संस्थान के बंद करबाक निर्णय लेलक । रेलवे इस संबंध में पत्र लिख दिनांक 27-04-20 के अधीन विभाग द कय संस्था के बंदकय लखनऊ हस्तांतरित करबाक आदेश देलक अछि।एशिया के सबसे पैघ आ प्रसिद्ध रेल इंजन कारखाना जमालपुर के स्थापना 8 फरवरी 1862 के भेल छल। विदित होई कि इंडियन रेलवे इंस्टीट्यूट ऑफ मैकेनिकल एंड इलेक्ट्रिकल इंजीनियरिंग(IRIMEE, इरिमी) नाम सँ ई प्रशिक्षण संस्थान 1888 में खोलल गेल छल, एहिमें 1927 सँ रेलवे के मैकेनिकल इंजीनियरिंग के प्रशिक्षण देल जाईत रहल अछि । रेलवे के छ मुख्य संस्था में ई सबसँ पुरान संस्था अछि।

मिथिला संग मुंगेर के संगे नाइंसाफी भेल.अछि, मुंगेर के सांसद आ जमालपुर के विधायक की अपन कमीशन लय क चुप बैसि गेलाह? जनता जवाब मांगि रहल अछि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *