मातृभूमि सँ कर्मभूमि के सेवा लेल सतत तत्पर :: मैथिल समन्वय समिति के संरक्षक आ संदीप यूनिवर्सिटी के संस्थापक डॉ. संदीप झा

मैथिल समन्वय समिति के संरक्षक आ संदीप यूनिवर्सिटी के संस्थापक डॉ. संदीप झा :: मातृभूमि सँ कर्मभूमि के सेवा लेल सतत तत्पर

मानव सेवा सब सँ पैघ धर्म मानल जाईत अईछ, और सेवा जौ समर्पित भाव सँ हो त ओकर बहुत महत्व छई। कोरोना संक्रमण सँ सम्पुर्ण विश्व प्रभावित अईछ। भारत सेहो अछूत नई रहल। सम्पुर्ण देश में ई महामारी सँ जन जीवन अस्त व्यस्त भेल अईछ। उद्योग,व्यापार,कृषि,खेलकूद आदी सब ठप परल अईछ। किशान,मजदूर आदी सब पर ई महामारी के आर्थिक आ मानसिक प्रभाव परल। मुदा अहि कठीन समय मे बहुत राष एहन लोक, संगठन,संस्था सब मानव सेवा कय मानवता के मिशाल प्रस्तूत क रहलाह। जिनक योगदान के मात्र किछु शब्द में कहब कठिन।

Imageएहि क्रम में संदीप यूनिवर्सिटी नाशिक आ मधुबनी के संस्थापक एवं मैथिल समन्वय समिति के संरक्षक डॉ संदीप झा जी के पहल पर लगभग सम्पुर्ण लॉक डाउन के अवधी में यथा संभव जरुरत मंद लेल भोजन एवं आवास के व्यवस्था मधुबनी,नाशिक,मुंबई,पुणे,मणिपुर आदी जगह पर कायल गेल। जकर की पुष्टि समय समय पर जिला प्रशासन द्वारा होईत रहल। स्वेंग डॉ झा अन्न दान के फोटो आ प्रचार लेल स्वीकृति नई दईत रहलाह। मुदा सच के झाँपव कठिन छई।
आब जाई तरहे प्रवासी मजदूर के हुनक गन्तव्य तक पहुँचेबाक प्रायश प्रशासन एवं सरकार द्वारा भ रहल। एहि क्रम में नाशिक जिला प्रशासन के अनुरोध पर संदीप यूनिवर्सिटी द्वारा 10 टा बस के सहयोग मजदूर के गन्तव्य तक पठेवाक लेल कायल गेल। संदीप युनिवर्सिटी के 10 टा बस नाशिक सँ मजदूर के लय विभिन्न स्थान लेल विदा भेल।

संदीप यूनिवर्सिटी एवं मैथिल समन्वय समिति संयुक्त रुप सँ नाशिक, पूणे,मधुबनी,मणिपुर आदी जगह पर लगातार भोजन एवं आवाश के व्यवस्था त कईये रहल छल। सोशल मीडिया सँ प्रिंट मीडिया तक मधुबनी जिलाधिकारी अनेकों बेर एहि मदद लेल संदीप झा आ संदीप युनिवर्सिटी के धन्यवाद दैत रहय छथि ।

Image
आब नाशिक प्रशासन के अनुरोध पर 10 टा बस के व्यवस्था प्रावाशी मजदूर के गन्तव्य स्थान तक पहुँचेबाक लेल कायल।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *