जाट समाज द्वारा कोरोना योद्धा सम्मान सँ सम्मानित भेलाह मैथिल मंच के राष्ट्रीय अध्यक्ष मणिभूषण राजू :: शिवम झा

Image

जाट समाज विकास समिति खोड़ा गाजियाबाद (उत्तर प्रदेश) के तरफ सँ मैथिल मंच के राष्ट्रीय अध्यक्ष मणिभूषण राजू के चाईनीज वायरस कोरोना के एहि विकट काल में देशस्तर पर काज करबा लेल कोरोना योद्धा सँ सम्मान कयल गेल।

विदित होई कि अपन स्थापना के प्रारंभिक चरण में मैथिल मंच के प्रचार प्रसार दिल्ली-NCR सँ शुरू भेल छल आ ब्रजस्थ मैथिल सबके संग लैत आई समस्त मिथिला में अछि।

लाकडाउन के एहि विकराल समय में मणिभूषण जी द्वारा सतत देशभरि में पसरल अपन मित्रलोकनि सँ सम्पर्क करैत सबगोटे सँ सतत आग्रह करैत रहलाह जे अपन आसपास के जरूरतमंद लोकनि के सहयोग करियौ आ जँ कियो बिहार वा मिथिला के लोक समस्या में भेटथि हुनक सहयोग करी वा तुरत सूचित करी। जम्मू सँ लय क चेन्नई तक, अहमदाबाद सँ कोलकता तक यथासंभव प्रयास कयलन्हि।

एहि लाकडाउन के क्रम में निजी रूप सँ, संस्थागत रूप सँ, अन्य संस्थाक सहयोग सँ व अन्य स्रोत सँ सतत सहयोग लेल आभार प्रकट करैत चौधरी पंकज सिंह जाट , मणिभूषण राजू के जाट समाज के तरफ सँ सम्मानित कयलन्हि।

हरित प्रदेश आ मिथिला राज्य के लेल एकजुट हेताह दिल्ली में जाट आ मैथिल समाज :: मणिभूषण राजू

समस्त मैथिल मंच समाज के तरफ सँ आशीष चौधरी, पुरुषोत्तम वत्स, शिवम झा, विनय पाठक, अरूण मिश्रा, चन्दा झा , मुक्ति झा आदि अनेको सदस्यगण जाट समाज विकास समिति के आभार प्रकट कयलन्हि।


1 Comments

Leave a Reply to पंकज मिश्र Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *