“उर्जावान युवा पर मिथिला केँ नाज अछि” :: सुभाष कुमार कामत

Image

“उर्जावान युवा पर मिथिला केँ नाज अछि”

अंधविश्वासके खिलाफ देश भरिमे लगातार मुहिम चलोनिहार चिर परचित युवा मंटू कुमार मधुबनी जिला मुख्यालय जे•पी•कॉलोनी निवासी छथि। हुनक पिताजीक नाउ स्व0 रामभूषण मंडल अछि। हिनक प्रांरभिक शिक्षा सरकारी विद्यालय सँ भेल छैक। बचपन सँ मंटूजीके पढै़ लिखैयमे मोन कम विज्ञानक चमत्कार, खेल -कूद आ सांस्कृतिक कार्यक्रममे खूब लगैत रहय। हाई स्कूलमे भारत स्काउट और गाइड बिहार सँ जुड़लाह, ओतहि सँ प्रेरित भ केँ सामाजिक कार्यमे बढ़ि चढ़िके हिस्सा लिय लगलाह। स्नातक पास केला उपरांत नेहरू युवा केन्द्र मधुबनी सँ जुड़लाह आओर अंधविश्वास, बालश्रम, बाल विवाह, दहेज प्रथा ,वृक्षारोपण ,सामाजिक कुरीति आदि पर लगातार अभियान चलबैय लागलाह। श्री मंटू कुमार एकटा होनहार युवा छथि। अपन प्रतिभा सँ दुनियाकें परिचय करौलनि, मधुबनी जिलाक नाम रौशन देश भरिमे नहि अपितु विदेशोंमे सेहो केलाह। मंटू जी सँ हमर ( एहि पांतिक लेखक) पहिल मुलाकात नेहरू युवा केन्द्र संगठन मधुबनीमे भेल छल। मंटू जी कहै छैथि हुनक पिताजी स्व• रामभूषण मंडल ज्योतिषी छलाह, औठीपत्थल आदि बेचैत छलैक, हुनकर विरोध मंटू स्वयं करैत रहैक। ओ तंत्र मंत्रमे भारी श्रद्धा आओर विश्वास रखैत छलाह। एक दिन हुनक बाबूजी सपना देखलनि जे लौटरी केर टिकट खरीदने ओ धनवान भऽ जेताह। हुनका लौटरीक नशा एतेक चढ़ि गेल जे रसे-रसे हुनक पुश्तैनी जमीन जथा धरि बिका गेलैक। मुदा अंतमे परिवारक सदस्य केँ खाए तक प’ आफत भ गेलैक। ई विपिनताक घटना मंटू जी केँ भितर सँ झकझोइर देलकैक। वो संकल्प केलाह जे अंधविश्वासक विरुद्ध लड़ब आ आवाज़ जोरदार ढंगे उठाएब।

Image

एम•काॅम धरि शिक्षा प्राप्त मंटू कुमार क 2006 ई0 मे विज्ञान प्रो• (डा•) नरेंद्र नायक जी सँ मुलाकात भेल। प्रोफेसर साहेब मंटू कुमार केर प्रतिभा कें जानि गेलाह आओर वो मंटू जीक विज्ञानक चमत्कार सँ अवगत भ’ गेलाह।मंटू जीक ओ विज्ञानक औरो चमत्कार सँ अवगत करवह लगलाह। मंटू एहसास करय लागल प्रो•साहब केर रुप मे भगवान भेट गेल।ओकरा जहि तरहक काज मे बड्ड मोन लाग’ लगलैय, रुचि आओरो जागृत भेलै।हुनका संगे विषेश ज्ञान क्रिड़ा मे तन्मयता सँ रहल। सन् 2006 मे 21 नव युवाक संग सं सघटन कय “सक्सेस साइंस फाॅर सोशायटीक” स्थापना केलाह। संस्था कें मूल उद्देश्य अछि विज्ञान केँ माध्यम सँ समाजमे पसरल अंधविश्वास आ कुरीतिसँ लोककेँ अवगत करौनाई जे जादू टोटमा आदि नहि होएत छैक।
2009 मे पर्यावरण बचाऊँ अभियान सँ जुड़लाह आओर एखन धरि लगभग 18 हजार सँ बेसी गाछ वितरण करि चुकलाह अछि।
मधुबनी शहर सँ जुड़ल सामाजिक कार्य मे मंटूक अहम भूमिका रहैत अछि। एखन धरि मंटू 3 बेर रक्तदान करि चुकलाह अछि। पिछला साल अपन देहदान करबाक राष्ट्रीय अंग और उत्तक प्रत्यारोपण संगठन (नोट्टो) नई-दिल्ली घोषणा केलनि। शहर कें युवाक प्रेरणास्रोत बैनि गेल अछि।
मधुबनीटा मे नहि देश स्तर पर सामाजिक कुरीतिआ अंधविश्वास केँ खिलाफ़ लड़ि रहल अछि। अपन संगी साथी संग देशक कोना कोना मे जा क’ प्रर्दशनि लगाक’ जादू टोना टापर अंधविश्वास सँ पर्दा उठैलाह।आओर विज्ञान क चमत्कार सँ लोककेँ अवगत करेलाह। कतेक बेरि हिनका अज्ञात लोक द्वारा धमकी सेहो भेटल। लोक सबकेँ बेर-बेर कहैय छथि बेमार पड़लाह पर बाबा, ओझा धामि, उस्ताद केँ चक्कर मे नहि पड़ू ,डाकडरक फेरामे नै खसायत । एखन धरि हुनक संस्थामे 200 सँ बेसी युवा जुड़ि चुकलाह।
समय-समय पर महामहिम राष्ट्रपति, माननीय मुख्यमंत्री-आ अन्य मंत्री सहित अनेको संस्थासँ हिनका 250 संँ बेसी पुरस्कार प्राप्त भेल छनि। भारतेटा सँ नहि विदेशों सँ सम्मान प्राप्त केलनि।
2006 मे हिनका भारत स्काउट और गाइड मे उत्कृष्ट सेवा लेल राष्ट्रपति पुरस्कार भेटलैक। नेहरू युवा केन्द्र मधुबनी सँ जुड़ल, सामाजिक जागरूकता अभियान मे बेहतर योगदान दैय हेतु पुनः राष्ट्रपति पुरस्कार भेटलैक। संगहि राष्ट्रीय युवा पुरस्कार, राष्ट्रीय युवा गौरव सम्मान, अंर्तराष्ट्रीय पर्यावरण योद्घा सम्मान (नेपाल सँ) , पर्यावरणक क्षेत्र मे उत्कृष्ट योगदानक लेल मंदार रत्न आवार्ड प्राप्त भेलनि।
पौरकां साल अंधविश्वास सँ पर्दा उठाबैय लेल कर्मवीर चक्र, गोल्डन बुक आँफ रिकार्ड सँ सम्मानित भेलाह।
मंटू कुमार जी जकाँ मिथिला मे अनेको प्रतिभाशाली युवा आर्थिक तंगी आ उचित मार्गदर्शन आओर मंच नहिँ भेटैय केँ कारणेँ अपन प्रतिभाकेँ निखारि नहि पायब रहल अछि, समाज मे हेरायल अछि। हुनका सब केँ खोजबाक जरुरत समय केँ मांग थिक।
मंटू कुमार जी वर्तमान मे जिला बाल संरक्षण ईकाई, मधुबनीमे सदस्यक रूपमे कार्यरत छथि। एखनो बहुतों रास संस्थासँ जुड़िकेँ सामाजिक कार्यमे हिस्सा ल’क, आओर युवा सबकेँ प्रोत्साहित करैत रहबा मे सक्रिय छथी। समय- समय पर अधिक पिछड़ल, अनाथ, महादलित आ बालिका कें लेल काज करैत रहैत छथि। केन्द्र आ राज्य सरकार केँ चाही जे हिनका जकाँ लोक केनं आर्थिक मदद करैत प्रोत्साहित कयल जाय।


©सुभाष कुमार कामत
घोघरडीहा, मधुबनी

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *