क्वारेंटाईन सेंटर के अनूठा प्रयास, युवा लोकनिक आग्रह, सेंटर के लोक के मजदूर नहिं कही ई ग्रामीण छथि :: पुरुषोत्तम वत्स

Image

सहसराम । पुरुषोत्तम वत्स

दरभंगा जिला के बिरौल प्रखंड के राजकीय मध्य विद्यालय, सहसराम जतय क्वारेंटाईन सेंटर बनाओल गेल छल आ 45 गोटे एहिमे सबगोटे अपन क्वारेंटाईन समय पूरा होबाक बाद सकुशल घर गेलाह।
विदित होई कि हर क्वारेंटाईन सेंटर में क्वारेंटाईन समय पूरा होयबाक बाद जखन लोक अपन घर जाई छथि त धोती आ गंजी सरकार के तरफ सँ भेटैत अछि।
विद्यालय के प्रधानाध्यापक के अनूठा प्रयास रहल जे मिथिला के परंपरानुसार ओहि धोती के रंग कय आ विधिवत विदाई कयल गेल लोक सबके।
मुखियाजी अपन समर्थन में न्यूज चलबा लेलाह आ प्रधानाध्यापक जे सतत सक्रिय आ सेवारत छलाह हुनक चर्चा तक नहिं भेल।
गामक युवा लोकनि द्वारा प्रधानाध्यापक आ हुनक समस्त टीम के धन्यवाद ज्ञापन आ आभार प्रकट कयल गेल।
गामक युवा लोकनि अनुरोध कयलन्हि जे क्वारेंटाईन सेंटर में रहयवला वा बाहर सँ आबयवला लोक के मीडिया वा सरकार मजदूर नहिं कहय, ओहो सब एतय ग्रामीण छथि आ पारिवारिक लोक छथि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *