Corona Worriers Of Mithila :: कमलेश झा

Image

Corona Worriers Of Mithila के आगा चरण में मैथिल मंच अहाँ सबसँ परिचय कराबय जा रहल अछि ढ़ंगा(हरिपुर) गामक रत्न कमलेश झा जे सम्प्रति लक्ष्मीनगर, दिल्ली में रहय छथि आ लॉकडाउन के एहन विपरीत समय में पहिल दिन सँ लगातार क्षेत्रक लोकनि के सेवा में लागल छथि। अहाँ सबके बताबी जे दिल्ली में लक्ष्मीनगर मैथिल बाहुल्य इलाका अछि आ ओतय सँ विधायक अभय वर्मा सेहो मैथिल छथि।

कमलेश जी प्रथम दिन सँ कोरोनाक प्रति लोक के जागरूक कय रहल छलथि आ जेना-जेना समस्या बढ़ल ओ अपन दायित्व बढ़ेला आ आई जागरूकता संग, अपन क्षेत्र के लोक के भोजन, आश्रय आ उपचार सब काज सँ सेवा में सतत लागल छथि।

कमलेश झा अपन निजी प्रतिष्ठान, मित्रवत विधायक अभय वर्मा जीक संग आ अन्य अनेक सामाजिक संस्थाक….. सबके संयोजन बनाकय वृहत स्तर पर सहयोग आ राहत के काज युद्धस्तर पर चला रहलाह छथि। एहिलेल हिनक समस्त टीम के धन्यवाद अछि।

अपन कार्यक्षेत्र, अपन कर्मभूमि, अपन मातृभूमि के लेल एहन तत्परता आ समाजसेवाक ई भावना बहुत कम भेटैत अछि।

बिना कोनो प्रचार, बिना कोनो राजनीति आ हो-हल्ला कयने लगातार एक महीना सँ कार्यरत एहि योद्धा के समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफ सँ वंदन आ अभिनन्दन।

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

 


4 Comments

  1. Slam aise bhayo ka jo ki Apni jaan ki banji lagake desh hit me kam kar rahe hai jai sri ram🙏 jai hind jai bharat

Leave a Reply to Mani Bushan Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *