विश्व विरासत दिवस पर विशेष :: मुरारी कुमार झा (पुरातत्व)

Image

आई विश्व विरासत दिवस अछि, जेकर अहाँ सब विरासत प्रेमी के मंगलकामना।

हम तखने याद कयल जायब जेखन अपन आबै बला पीढ़ी के एकटा संवरिद्ध, सुरक्षित आ मजगूत भारत देब। यूनेस्कोक द्वारा शुरू कयल गेल सब साल 18 अप्रील के मनाओल जाय बला “विश्व विरासत दिवस” एहने एकटा अवसर अछि अपन विरासत के संजोगि आ ओरिया क अपन आबै बला पीढ़ी के सुपुर्द करबाक संकल्पक।

अजुका एहि उपलक्ष्य में हम गप्प करब मिथिला स्थित दरभंगा जिलाक पुरातात्विक विरासतक, जेकरा हम रामायण काल स बुझैत छी, ओना एतय उत्खनन काज नै होबा कारणे एखन कतोक महत्वपूर्ण जनतब सोझाँ एनाय बाँचल अछि।

एतुका पुरास्थल आ पुरातत्व के देखि त शंकरपुर डीह, सिरूआ, कुरसों नदियामी, इनाई, महथावन आदि पुरास्थल स प्राचीन सिक्का, भच्छी, कोर्थु, पिपरौलिया, पंचोभ, सिंघिया, माधोपट्टी, विदेश्वर स्थान, हावीडीह आदि पुरास्थल स अभिलेख, बहेड़ा, डीह बर्रै, शंकरपुर डीह, देवकुली, हावीडीह, रमौली आदि पुरास्थल स प्राचीन स्थापत्यक(भवन आ मंदिर) प्रमाण, रमौली, हरहच्चा, कोइल्वारा, महथावन, वाराही, शंकरपुर डीह आदि पुरास्थल स प्राचीन टेराकोटा आ सौँसे दरभंगा स प्राचीन सैकड़ो मूर्ति भेटल अय आ बेर-बेर भेटिए रहल अछि। एहि क्षेत्रक 350-400 एहन पुरास्थल आ गांव अछि जतय अनेकों तरहक मृद्भाण्डावशेष छिटल पड़ल अछि। जेकर वैज्ञानिक परिक्षण, उत्खनन आ अध्यन होबाक चाही।

अतः खाली दरभंगे टा के नै अपितु सौँसे राज्य आ देशक स्तर तक अपन धरोहर(विरासत) संबंधी नुकायल रहस्य के उद्घाटित, सुरक्षित, संवर्धित आ संरक्षित केनाय हमर मुख्य उद्देश्य होबाक चाही। त आई ई विश्व विरासत दिवसक अवशर पर हम-अहाँ संकल्पित होय अप्पन धरोहरक संरक्षण के प्रति।

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *