Corona Worriers Of Mithila :: अरिपन लाइफ फाउंडेशन

Corona Worriers Of Mithila के सिरीज में मैथिल मंच अहाँक परिचय कराबय जा रहल अछि अरिपन लाइफ फाउंडेशन के अमित कुमार, शिवशंकर झा आ विजय शंकर जी संग दू टा बचिया मुस्कान आ खुशी सँ जे लाकडाउन के एहन आपात स्थिति में जरूरतमंद लोकनि लेल मास्क, भोजन आ अन्य राहत सामग्री अपना स्थल पर तैयार कय अपन आसपास आ दिल्ली के विभिन्न क्षेत्र में लोक तक पहुँचा रहल छथि।
मैथिल मंच के मार्गदर्शक संग योगगुरू योगाचार्य श्रीरवि व्योमशंकर झा के मार्गदर्शन में “अरिपन लाइफ फाउंडेशन” सतत राहत आ सहयोग के काज कय रहल छथि आ लोक सबके बीज जागरूकता पसारि रहल छथि।

एहि पुनीत काज के लेल मैथिल मंच समस्त अरिपन लाइफ फाउंडेशन परिवार के बारंबार वन्दन आ अभिनन्दन करैत अछि।

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।
“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *