दरभंगा के भगवान ठाकुर के भेटलन्हि मिथिला पेंटिंग में राज्य पुरस्कार, मंच के तरफसँ बधाई आ शुभकामना :: आशीष चौधरी

BHAGWAN THAKUR

दरभंगा के भगवान ठाकुर के भेटलन्हि मिथिला पेंटिंग में राज्य पुरस्कार, मंच के तरफसँ बधाई आ शुभकामना :: आशीष चौधरी

दरभंगा सँ मिथिला पेंटिंग के सिद्धहस्त कलाकार भगवान ठाकुर के बिहार सरकार द्वारा राज्य पुरस्कार देबाक घोषणा भेल।
मिर्जापुर, दरभंगा के रहयवला भगवान ठाकुर पारंपरिक मिथिला चित्रकला आ आधुनिकता के संयम बनबैत सिद्धहस्त कलाकार छथि। कला हिनक पारिवारिक पहचान छन्हि। हिनक पिताजी सेहो सिद्धहस्त कलाकार छथि आ परिवार में सबगोटे कला सँ जुड़ल छथि। सीमित संसाधन के संग अपन जिद पर कला के क्षेत्र में काज करयवला भगवान ठाकुर दरभंगा संगहि मिथिला के प्रतिभा छथि।
विदित होई कि मैथिल मंच द्वारा प्रतिवर्ष आयोजित होबयवला “मिथिला चित्रकला प्रतियोगिता 2019” के द्वितीय पुरस्कार प्राप्त मेधावी भगवान ठाकुर सतत अपन लगन आ मेहनत सँ आगा बढ़ला। मधुबनी पेंटिंग के क्षेत्र बढ़य आ ई पूरा मिथिला में पसरय ई भगवान ठाकुर के प्रयास रहल छन्हि आ आगा रहनि ।
समस्त मैथिल मंच परिवार आ विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के तरफसँ हार्दिक बधाई आ शुभकामना।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *