जन्मदिन विशेष(17 अक्टूबर) – युवा मिथिला के हिन्दू हृदयसम्राट आ आबयवला मिथिलाक राजनीतिक स्तंभ छथि बालेन्दु झा :: मणिभूषण ‘राजू’

Balendu Jha

जन्मदिन विशेष(17 अक्टूबर) – युवा मिथिला के हिन्दू हृदयसम्राट आ आबयवला मिथिलाक राजनीतिक स्तंभ छथि बालेन्दु झा :: मणिभूषण ‘राजू’

ओना त मिथिला अपन विद्वता आ तार्किक शक्ति आ ज्ञान लेल आदिकालहिसँ प्रख्यात अछि। मुदा आजादीकेर बाद सँ एखनतक सरकारी उपेक्षा आ प्रतिभाक पलायन मिथिला के एकटा निरीह क्षेत्र बना देने अछि। तथापि एखनहुँ हमसब मैथिल लागल छी नव मिथिलाक पुनर्निर्माण आ अपन प्राचीन वैभव के दुबारा हासिल करय लेल।
अपन सौम्य स्वभाव, निर्भीक वाकपटुता आ सामन्वयिक विचारधारा के संग सिद्धांतवादी राजनीति करय लेल प्रतिबद्ध मित्र बालेन्दु झा जी के आई जन्मदिन छन्हि।
ओना त बालेन्दुजी दरभंगाक हमर सबसँ पहिल मित्रगण के सूची में छथि मुदा हिनक व्यक्तित्वसँ असली परिचय कोरोनाकाल में भेल आ जहि तरहें ई सर्वधर्म समभाव के भावना सँ अपन जीवन पर दाव लगाकय बाढि आ कोरोना में आमजन के सहयोग कयलथि आ सुविधा पहुँचेलथि ओ हमरा लेल अविस्मरणीय आ अतुलनीय अछि।
बालेन्दु जी स्वच्छ राजनीति आ राष्ट्रवादी विचारधारा के संग निर्भीक राजनीति लेल परिचित छथि। अपन क्षेत्र आ जिला में 28000 सँ बेसी जनताक प्रत्यक्ष प्रेम पाबि चुकल बालेन्दु जीक जीवन एकटा आदर्श संघर्ष के अनुकरणीय कहानी छथि। अपन मातृभूमि केर विकास लेल अपन सर्वस्व त्याग के भावना संग राजनीति करयवला बहुत कम लोक छथि मिथिला मे।
समस्त मैथिल मंच परिवार के तरफसँ भाई के जन्मदिन के हार्दिक बधाई आ शुभकामना। हमसब माँ भगवती सँ अहाँक उज्जवल भविष्य के कामना करैत छी।

Balendu Jha

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *