रैयामक बेटी राधा कुमारी के भेटतन्हि सिक्की कला में राज्य पुरस्कार, मंच के तरफसँ बधाई आ शुभकामना :: सुरभि कर्ण

RADHA KUMARI SIKKI ART

रैयामक बेटी राधा कुमारी के भेटतन्हि सिक्की कला में राज्य पुरस्कार, मंच के तरफसँ बधाई आ शुभकामना :: सुरभि कर्ण
रैयाम, मधुबनी के बेटी राधा कुमारी के भेटतन्हि मिथिलाक प्रसिद्ध सिक्की कला में राज्य पुरस्कार।
मिथालाक विलुप्त होईत सिक्की कला के फेर सँ ठाढ़ करय में आ एकर प्रचार-प्रसार में अगर एकटा गामक नाम आयत त सबसँ पहिले रैयामक नाम आयत। एहि गामक राधा कुमारी के वर्ष 2021 के राज्य पुरस्कार हेतु चयन कयल गेल। अपन परिवार के तेसर पीढ़ी के रुप में एहि कला में अपन जीवन लगाबयवाली राधा बचपन सँ अपन दादी, माँ आ पिताजी संग सपरिवार समर्पित छथि।
विदित होई कि राधा कुमारी के मैथिल मंच द्वारा प्रतिवर्ष आयोजित होबयवला “मिथिला लोकचित्रकला प्रतियोगिता 2023” में सिक्की-कला में विशेष पुरस्कार सँ सम्मानित कयल गेल छलन्हि।


समस्त मैथिल मंच परिवार संग विद्यापति सेवा संस्थान, दरभंगा के तरफसँ अशेष बधाई आ शुभकामना।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *