तीन दिवसीय 52म मिथिला विभूति पर्व समारोह 13 नवंबर सँ, समारोह केर सफल आयोजन लेल अनेक समिति गठित :: डाॅ बैद्यनाथ चौधरी ‘बैजू’

SAMAROH2024

तीन दिवसीय 52म मिथिला विभूति पर्व समारोह 13 नवंबर सँ
—————–
समारोह केर सफल आयोजन लेल अनेक समिति गठित
—————-

तीन दिवसीय 52म मिथिला विभूति पर्व समारोह 13 नवंबर सँ होयत। आयोजन केर रूपरेखा तय करबाक लेल रविदिन विद्यापति सेवा संस्थानक आम सभा संस्थान केर प्रधान कार्यालय परिसर मे भेल। संस्थानक कार्यकारी अध्यक्ष डाॅ बुचरू पासवान केर अध्यक्षतामे आयोजित आमसभा मे सभ सालक भांति एहि साल सेहो कवि कोकिल विद्यापति केर निर्वाण दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी तिथि तदनुसार 13 नवंबर सँ तीन दिवसीय समारोह आयोजित करबाक सर्वसम्मति सँ निर्णय लैत आयोजन केर सफलता लेल विभिन्न समितिक गठन कयल गेल। समारोहक मुख्य संरक्षक ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय केर कुलपति प्रो संजय कुमार चौधरी कें बनाओल गेल। जखन कि मिथिलाक सामाजिक, साहित्यिक एवं सांस्कृतिक संरक्षण ओ संवर्द्धन लेल समर्पित एहि गौरवशाली आयोजन केर संरक्षक मंडलमे कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक कुलपति प्रो लक्ष्मी निवास पांडेय, एमएलएसएम कालेजक प्रधानाचार्य डा शंभु कुमार यादव, महात्मा गांधी शिक्षण संस्थान केर चेयरमैन हीरा कुमार झा, अहमदाबाद केर प्रवासी मैथिल संतोष कुमार मिश्र सहित ट्राई कलर प्रोपर्टीज लिमिटेड केर कार्यकारी निदेशक रंजन कुमार झा कें मनोनीत कयल गेल। आयोजन केर सलाहकार समितिक अध्यक्ष पं कमला कांत झा, स्वागताध्यक्ष सुप्रीम कोर्ट केर ओजस्वी अधिवक्ता एवं मनीगाछी प्रखंडक उजान गामवासी आशुतोष मिश्र, स्वागत महासचिव प्रो. जीवकांत मिश्र बनाओल गेलाह। आयोजन समितिक अध्यक्ष सर्वसम्मति सँ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालयक पूर्व कुलपति प्रो शशिनाथ झा कें एवं उपाध्यक्ष क्रमशः डा श्रीपति त्रिपाठी, डा महानंद ठाकुर, डा रमेश झा , अमरेन्द्र झा आ विनोद कुमार झा कें मनोनीत कयल गेल।कोषाध्यक्ष केर कमान एकबेर फेर डॉ गणेश कांत झा कें सौंपल गेल। जखन कि आय-व्यय पर्यवेक्षण केर प्रभारी प्रवीण कुमार झा बनाओल गेलाह। संस्थानक मुख पत्रिका ‘अर्पण’ केर संपादक एकबेर फेर डॉ महेद्र नारायण राम एवं सहायक संपादक प्रवीण कुमार झा कें बनाओल गेल। कवि सम्मेलनक संयोजक रमेश झा, सह संयोजक प्रवीण कुमार झा आ विचार संगोष्ठी केर प्रभारी सर्वसम्मति सँ फेर मणिकांत झा बनाओल गेलाह। शोभा यात्राक संयोजक विनोद कुमार झा आ सह संयोजक क्रमशः प्रो. विजय कांत झा, डा महानंद ठाकुर आ प्रो चंद्रशेखर झा बूढ़ा भाई कें बनाओल गेल। समारोहमे देल जाय बला विभिन्न सम्मानक लेल पं कमला कांत झाक अध्यक्षतामे तीन सदस्यीय कमेटी केर गठन कयल गेल। कमेटीमे बतौर सदस्य वरिष्ठ साहित्यकार डॉ महेन्द्र नारायण राम आ प्रवीण कुमार झा पुनः शामिल कयल गेलाह।

सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन समिति केर संयोजक बनाओल गेलाह कमलाकांत
—————-
सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन लेल पं कमलाकांत झा केर संयोजनमे गठित समितिमे प्रो. चन्द्रनाथ मिश्र आ प्रो. जीवकांत मिश्र कें शामिल कयल गेल। मीडिया संयोजन आ कार्यालय सचिव केर प्रभार प्रवीण कुमार झा कें एकबेर फेर सर्वसम्मति सँ भेटल। जखन कि प्रो. चंद्रशेखर झा बूढ़ाभाई कें मीडिया दीर्घाक सह संयोजक बनाओल गेल। आशीष चौधरी केर संयोजनमे गठित सोशल मीडिया समितिमे मणिभूषण राजू व पुरषोत्तम वत्स शामिल कयल गेलाह। आयोजनमे महिला दीर्घा केर समुचित व्यवस्थापन लेल गठित समिति केर बागडोर डाॅ सुषमा झा कें सौंपल गेलनि। एहि दीर्घाक सह संयोजक क्रमशः डा उषा चौधरी आ स्वर्णिम किरण झा कें बनाओल गेलनि।
विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डाॅ बैद्यनाथ चौधरी बैजू बतेलनि जे आमसभामे उपस्थित सदस्य सर्वसम्मति सँ 52म मिथिला विभूति पर्व समारोहक तैयारीके संग संग अभियान चलाकऽ एहि समारोहमे युवा, महिला आ प्रवासी मैथिल जन केर सक्रिय भागीदारी सुनिश्चित करैत देशव्यापी सांस्कृतिक एकजुटता कायम कयल जयबाक कोशिश करबाक संकल्प लेलनि। मिथिला चित्रकला कें संरक्षित करबाक उद्देश्य सँ समारोहक दौरान विभिन्न प्रतियोगिताक भव्य आयोजन पर सेहो सबहक सहमति बनलनि आ एहि कार्य लेल मणिभूषण राजू केर संयोजनमे आशीष चौधरी आ पुरुषोत्तम वत्स केर एकटा कमेटी गठित कयल गेल। समारोहक दौरान शांति व्यवस्था कायम करबा लेल बालेंदु झा आ मनीष झा रघु केर संयोजनमे समिति गठित कयल गेल। मंच व्यवस्था केर कमान जय नारायण साह आ मनीष झा रघु कें दैत आवासन व्यवस्थापन लेल दुर्गानंद झा, प्रेमचंद्र चौधरी, आशीष चौधरी आ पुरुषोत्तम वत्स केर कमिटी संगहि चौधरी बैद्यनाथ राय, प्रो विजयकांत झा, हरिकिशोर चौधरी आ नवल किशोर झा कें भोजन एवं जलपान व्यवस्थाक जवाबदेही देल गेलनि। प्रचार-प्रसार लेल प्रवीण कुमार झा केर संयोजनमे गठित पांच सदस्यीय समितिमे आशीष चौधरी, मणिभूषण राजू, पुरुषोत्तम वत्स आ रामनरेश चौधरी शामिल कयल गेलाह।

अध्यक्षीय संबोधन मे डा बुचरू पासवान लगातार तीन दिन धरि आयोजित होबय बला एहि साहित्यिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक महाकुम्भ केर सफलता लेल सभ सँ समवेत भऽ सामूहिक प्रयास करबाक आह्वान कयलनि। आमसभामे पं कमलाकांत झा, डा महेंद्र नारायण राम, डॉ अयोध्या नाथ झा, विजय शंकर झा, डॉ उदय कांत मिश्र, नवल किशोर झा, चौधरी फूल कुमार राय, अमरनाथ चौधरी, वैद्य गणपति झा आदि केर उल्लेखनीय उपस्थिति रहलनि।

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *