आई-पैथ डायगनोस्टिक लैब चिकित्सकलोकनि आ रोगीजन केर कसौटी पर खरा उतरत – मदन सहनी ।

IPATH DIAGNOSTICS

आई-पैथ डायगनोस्टिक लैब चिकित्सकलोकनि आ रोगीजन केर कसौटी पर खरा उतरत – मदन सहनी ।
गुणवत्तापूर्ण चिकित्सा हेतु विश्वसनीय रिपोर्ट आवश्यक अछि। जरूरतमंद तक पहुुंचय एहि लैबक सुविधा। उक्त बात मिर्जापुर अवस्थित आई-पैथ डायगनोस्टिक लैब केर उद्घाटन करैत हुए राज्य केर समाजकल्याण मंत्री मदन सहनी जी कहलाह। मुख्य अतिथि नगर विधायक संजय सरावगी लैब केर संस्थापक प्रशांत कुमार अग्रवाल के अनूठा प्रयासक सराहना करैत बेसी सँ बेसी मरीजलोकनि तक एकर लाभ पहुचाबय जेबाक शुभकामना देलथि। अति विशिष्ट अतिथि डी.एम.सी.एच केर पूर्व अधीक्षक डॉ.आर.आर.प्रसाद कहलनि कि अत्याधुनिक तरीका सँ जाँच कय ई लैब पैथोलोजी केर दुनिया में शीघ्रहि नव कीर्तिमान स्थापित करत। लैब के संस्थापक प्रशांत कुमार अग्रवाल एहि लैब में अत्याधुनिक मशीन सँ कम समय में विश्वसनीय रिपोर्टिंग केर प्रतिबद्धता जतेलथि। संगहि ही श्री अग्रवाल एहि अवसर पर वरिष्ठ नागरिक आ दिव्यांगलोकनि केर विशेष छूट देबाक घोषणा कयलनि। मरीजलोकनि के घर स ही सैम्पल लेबाक एवं घर परसँ ही रिपोर्टिंग की सुविधा सेहो देल जेतनि। डॉ.सोमेश्वर नाथ झा ‘दधिचि’ के वेदध्वनि सँ शुरू भेल एहि कार्यक्रम में स्वागतभाषण डॉ.अंजू अग्रवाल कयलथि । कार्यक्रम केर संचालन शास्त्रचूड़ामणि डॉ.मित्रनाथ झा जखनकि धन्यवाद ज्ञापन सुनीति अग्रवाल कयलथि। मौका पर पचाढ़ी महंथ मौनी बाबा, प्रो.अजीत कुमार वर्मा,डॉ.वैद्यनाथ चौधरी’बैजू’,डॉ.बी.बी.वर्मा, प्रो.भक्तिनाथ झा,प्रो.अशोक पोद्दार,डॉ.आर.बी. खेतान,डॉ.शुभम,डॉ.मयंक भूषण,डॉ.सारिक, डॉ.ए.डी.एन.सिंह,प्रो.के.के.चौधरी,प्रो. तरुण मिश्र,मणिकांत झा,डॉ.थापर, डॉ.सुमंत कोले,डॉ.पुलिन वर्मा,डॉ.एस.के.राय,डॉ.मनोज सिंह, डॉ.शशिभूषण गुप्ता,सुशांत भास्कर,उज्ज्वल कुमार सहित सैकड़ों चिकित्सक व गणमान्य लोक उपस्थित छलाह। डॉ.कुमार अभिषेक व प्रशांत कुमार अग्रवाल ने समवेत रूप से सभी आगत-अतिथियों को मिथिला की परंपरा के अनुरूप पाग,अंगवस्त्र एवं पुष्पगुच्छ दय क अभिनंदित कयल गेल। कार्यक्रम के दौरान गौतम अग्रवाल,नितिन कुमार,प्रियरंजन कुमार सुमित कुमार,वैद्यनाथ मंडल,सन्नी कुमार,अभिषेक कुमार आदि सक्रिय देखल गेला।

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *