चीनी वायरस-कोरोना सँ लड़य लेल फाँड़ बन्हलनि नगर विधायक संजय सरावगी

Sanjay Saraogi

चीनी वायरस-कोरोना सँ लड़य लेल फाँड़ बन्हलनि नगर विधायक संजय सरावगी

दरभंगा | प्रतिनिधि

चीनी वायरस-कोरोना के खतरा के संज्ञान लैत नगर विधायक संजय सरावगी अपने फाँड़ बान्हि एकसंग अनेक मोर्चा पर आगा एलाह | दरभंगा मेडिकल कॉलेज में जाँचक समस्या हो या नगर निगम , थाना , अन्य सार्वजानिक स्थान जातय सैनिटाइजेसन आवशयक अछि, या बेसहारा मज़दूर या गरीब जनता के समस्या होइ – एही सब समस्या के अलग-अलग मोर्चा बुझि सब मोर्चा पर एकसंग सामने एलथि नगर विधायक |

Image

दरभंगा मेडिकल कॉलेज (DMCH) में कोरोना वायरस के जाँच के व्यवस्था कराबय सँ लय क जाँच शुरू कराबय में नगर विधायक सतत प्रयत्नशील छलथि आ जहन जाँच प्रारंभ भेल त प्रतिदिन निगरानी के जिम्मेदारी सेहो नीक जकाँ निभा रहल छथि।

Image

 

अपन आवास के स्टोर बनाकय जरूरमंद परिवार के लेल खाद्य सामग्रीक पैकिंग आ वितरण के जिम्मेदारी सेहो कार्यकर्ता गण के संग स्वयं कय रहल छथि नगर विधायक।

Image

 

नगर क्षेत्रक बैंक, एटीम, थाना परिसर आदि पर सैनिटाइजर के व्यवस्था सँ लय क नगर क्षेत्र में कयल जा रहल अन्य राहत कार्य आ वार्डस्तर पर चलाओल जा रहल राहतकार्य में सहयोगी छथि नगर विधायक।

Image

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”


2 Comments

  1. सर हम मुंबई में छी gaon आबई के छय gaon केतुका
    9324371629

Leave a Reply to धर्मेन्द्र मिश्र Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *