“कोनो गरीब, वंचित वा पीड़ित भूखे नै सुतय”- विधायक अमरनाथ गामी

SG

 

“कोनो गरीब, वंचित वा पीड़ित भूखे नै सुतय”- विधायक अमरनाथ गामी के एहि आवाहन पर आगा एलथि गामी परिवार संग अनेको स्वयंसेवी सामाजिक संस्था आ एकभय जी जान सँ खाद्य सामग्री वितरण में लागल मिथिला।

Image

दरभंगा | प्रतिनिधि

दरभंगा के एकटा परिचित नाम – स्व. सत्यनारायण गामी जिनक किछु दिन पहिने स्वर्गवास भय गेल छलनि।

Imageआई हुनक नाम पर बनल सत्यनारायण गामी मेमोरियल ट्रस्ट के माध्यम सँ दरभंगा आ आसपास के गरीब, वंचित, शोषित वा पीड़ित लोक के भूख सँ बचाबय लेल फूड पैकेट निर्माण कय विभिन्न स्वयंसेवी संस्था आ प्रतिनिधि के द्वारा लाकडाउन के नियम के पालन करैत आ सोशल डिस्टेंसिंग के पालन करैत जरूरतमंद लोक तक पहुँचाओल जा रहल अछि।

Image

समाजिक कार्यकर्ता सुजीत मल्लिक अपन प्रतिनिधि पठाकय एहि अभियान में जोर-शोर सँ संग देलन्हि।

Image

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

जदयू नेता चाँद भाई फूड पैकेट वितरण में सतत सहयोग कय रहल छथि।

Image

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

भाजपा नेत्री मीना झा, बाकरगंज सँ विकास देवदुर्गेश पटेल सेहो धन्यवाद के पात्र छथि जे सतत एहि अभियान सँ जुड़ि एक-एक गरीब तक फूड पैकेट पहुँचाबय लेल संकल्पित छथि।

Image

अंजुमन-ए-खुदाबख्त संस्था के तरफ सँ पुट्टू खान जी वितरण के कार्यभार सम्हारलनि अपन क्षेत्र में।

अभिभावक पीतांबर पूर्वे संग शिवाजीनगर सँ विजय साहनी सहयोग में आगा एलथि आ एहि अभियान के सफल बनाबय में मदद कय रहल छथि।

Image

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

 

गायत्री मंदिर, लहेरियासराय के मनोज कुमार सेहो सहयोग लेल आगा एलथि संगहि भाजपा नेता अशोक नायक, सूरी समाज बाकरगंज सँ सुनील गराई, कृष्ण देव पूर्वे लोकनि के आभार जे सोशल डिस्टेंसिंग संग लाकडाऊन के नियम के पालन करैत सतत सहयोग कय रहल छथि।

Image

भाजपा के पूर्व महामंत्री श्री अरुण झा आ हुनक पुत्र सन्नी बाबू के एहि विकट समय में सतत सहयोग एकटा अनुकरणीय उदाहरण अछि जे एकसंग एतेक गोटे आ संस्थाक समन्वय बना एक-एक जरूरतमंद के ताकि हुनक सहयोग कयनाई संभव अछि।

Image

 

 

 


मिर्जापुर से भाजपा नेता रंजीत चौधरीजी, युवा भाजपा नेता बालेन्दु झा जी, पार्षद मिथिलेश राय जी ने भी इस अभियान से जुड़कर जरूरतमंदो तक फूड पैकेट पहुँचाने में मदद की।
Image
इस अभियान को पंख लग गये जब विभाग प्रचारक, सेवा भारती के दीपक जी, सुजीत चौधरी विगन जो कि पशुओं के लिए खाना पकाकर वितरण करते हैं, प्रमुख चैनलौं के पत्रकार बन्धुगण सबों ने मिलकर फूड पैकेट लोगों तक पहुँचाने में मदद की।
Image
भाजपा के महामंत्री लवलीजी
वेदव्यास जी, पंडासराय से जदयू नेता पप्पू महासेठ जी सबों का संग और सहयोग रहा।


एहन विकराल समय में अगर कियो वास्तविक रूपे सहयोग आ समाजसेवा के इच्छा राखय छथि त वर्तमान सिस्टम के संगे बेसी सँ बेसी सहयोग आ सुविधा जरूरतमंद लग पहुँचा सकय छी। सिस्टम पर दोष लगेनाई आ सिस्टम सँ लड़ि ओकरा बदलय लेल ई समय नहिं अछि तैं आग्रह जे एखन जे सिस्टम चलि रहल अछि ओहिमें जुड़ि जिलाधिकारी सँ लय क पंचायत स्तर पर जतय जतेक संभव हुए त संग दी आ सुरक्षित अपन घर पर रही।

“एहि चाइनीज वायरस सँ लड़त इंडिया आ जीतत इंडिया”

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *